Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

जीतलौं तं लोकतंत्रक जीत, हारलौं तं लोकतंत्र खतरा मे : नितिन नवीन

Avatar
By Samadiya Mithila
November 2, 2026 2 Min Read
Comments Off on जीतलौं तं लोकतंत्रक जीत, हारलौं तं लोकतंत्र खतरा मे : नितिन नवीन

 

  • बीजेपीक राष्ट्रीय अध्यक्ष कहलनि, समय रहैत नहि चेतलौं तं आगू विपक्ष लग कुर्सी सेहो नहि बचत

 

भागलपुर, समदिया

भाजपा राष्ट्रीय अध्यक्ष नितिन नवीन भागलपुर मे विपक्ष पर तीव्र हमला कयलनि। एनडीएक लोकतंत्र बचाउ, अराजकता हटाउ पदयात्रा मे शामिल होइत ओ कहलनि जे विपक्ष जीतैत अछि तं लोकतंत्रक जीत होइत अछि, मुदा हारि जाइत अछि तं लोकतंत्र खतरा मे पड़ि जाइत अछि। एसआइआरक बाद कर्नाटक मे जीत भेल तं सभ किछु ठीक, मुदा बिहार मे हारि गेल तं वोट चोरीक नारा देबय लागल।

ओ चेतावनी देलनि जे विपक्ष समय रहैत नहि चेतलौं तं आगू ओकरा लग कुर्सी सेहो नहि बचत। कार्यकर्ता सभ हुनका त्रिशूल भेंट कए स्वागत कयलनि। जनसभाक बाद लाजपत पार्क सं खरमनचक, भामाशाह चौक होइत घंटाघर चौक धरि करीब एक किलोमीटर पदयात्रा कयलनि। एहि कार्यक्रम मे प्रदेश अध्यक्ष संजय सरावगी आ उपमुख्यमंत्री विजय चौधरी सहित कतेको नेता शामिल छलाह।

नितिन नवीन कहलनि जे बिहार मे एसआइआर शुरू भेलाक बाद विपक्ष वोट चोरीक आरोप लगौलक, मुदा कोनो नेता शिकायत तक दर्ज नहि करौलनि। एसआइआर लेल 60 दिनक समय देल गेल छल। प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद विपक्ष चुप भए गेल। हुनकर कहब छलनि जे जनता 2025 मे विपक्ष कें एहि व्यवहारक जवाब देलक।

ओमहर, बेगूसराय मे गिरिराज सिंह विपक्ष पर देश मे भ्रम पसारबाक आरोप लगौलनि। मुजफ्फरपुरक पदयात्रा मे केंद्रीय जलशक्ति राज्य मंत्री राजभूषण चौधरी निषाद कहलनि जे विपक्ष संवैधानिक संस्था सभ पर हमला कए रहल अछि। भागलपुरक कार्यक्रम मे रामसर सं आयल वृद्ध महिला वीणा देवी कहलनि जे ओ मोदी कें जितयबाक लेल भाजपा नेत्री प्रीति शेखरक कहला पर आयल छथि। मुदा नितिन नवीन कें चिन्हबाक सवाल पर ओ कहलनि जे हुनका नहि जनैत छथि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

निर्दलीय एमएलसी सभक भाजपा मे शामिल होयबा पर एनडीए मे घमासान

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech