Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

नेपाल त्रासदी मे मधुबनीक युवक लापता, निर्माणाधीन हाइड्रोपावर मे छलाह कार्यरत

Avatar
By Samadiya Mithila
September 3, 2026 2 Min Read
0

 

  • परिजन भारत आ नेपाल सरकार सं लगेलनि मदति केर गोहारि

 

मधुबनी, समदिया

नेपाल मे 26 अगस्त कें आएल भीषण बाढ़िक त्रासदीक बाद मधुबनी जिलाक लौकही प्रखंडक मंसापुर गाम निवासी रंजीत कुमार गुप्ता (39 वर्ष) लापता छथि। रंजीत कुमार गुप्ता, भोला प्रसाद गुप्ताक पुत्र, नेपालक रसुवा जिला मे निर्माणाधीन 216 मेगावाटक अपर त्रिशूली-1 जलविद्युत परियोजना मे ऑस्ट्रियाक कंपनी एंडरिट्ज हाइड्रो प्राइवेट लिमिटेडक संग काज करैत छलाह। ई परियोजना काठमांडू सं करीब 70 किलोमीटर उत्तर त्रिशूली नदी पर अवस्थित अछि।

नेपाल आपदा प्रबंधन प्राधिकरणक अनुसार 26 अगस्तक भोटेकोशी-त्रिशूली गलियारा मे आएल भीषण बाढ़िक बाद 15 जलविद्युत परियोजना सं जुड़ल 600 सं बेसी लोक लापता छथि। अपर त्रिशूली-1 परियोजना पर बाढ़िक सर्वाधिक प्रभाव पड़ल अछि। एतय 300 सं बेसी मजदूर सुरंगक भीतर फंसल होयबाक आशंका अछि। कंपनी द्वारा काठमांडू मे कंट्रोल रूम बनाओल गेल अछि। नेपाली सेना तथा भारत आ चीनक विशेषज्ञ दल सुरंगक भीतर ऑक्सीजन पठा कए बचाव अभियान चला रहल अछि।

परिजनक कहब अछि जे त्रासदीक दिन सं रंजीत सं मोबाइल पर कोनो संपर्क नहि भए रहल अछि। कंपनी आ स्थानीय प्रशासन सं सेहो हुनका संबंध मे कोनो ठोस जानकारी नहि भेटल अछि। रंजीतक परिजन बिहार सरकार, मधुबनी जिला प्रशासन आ भारत सरकारक विदेश मंत्रालय सं मदतिक गोहारि लगौने छथि। रंजीतक पिता भोला प्रसाद गुप्ता कहलनि जे हुनकर बेटा दू बच्चाक पिता छथि। परिवार सरकार सं नेपाल सरकारक संग समन्वय कए रंजीतक स्थिति पता लगाबय आ हुनका सुरक्षित वापस अनबाक आग्रह केने अछि।

 

 

सुरंग मे रेस्क्यू चलेबा लेल नेपाल लग नहि अछि पर्याप्त संसाधन

त्रिशूली–भोटेकोशी नदी मे आएल बाढ़िक बाद जलविद्युत परियोजनाक सुरंगक भीतर फंसल लोकक खोज आ बचाव मे जनशक्ति सं बेसी उपकरण आ आधारभूत संरचनाक अभाव पैघ चुनौती बनि गेल अछि। तकनीशियन सबहक कहब अछि जे आवश्यक उपकरण उपलब्ध रहितो सड़क संपर्क नहि रहबाक कारण ओ सभ घटनास्थल धरि नहि पहुंचाओल जा सकल अछि।

नेपाल मे एक्स्काभेटर, लोडर, ड्रिलिंग मशीन, पंप सहित अन्य आवश्यक उपकरण उपलब्ध अछि मुदा भारी उपकरण ढोबयवला हेलिकप्टरक अभाव मे उपलब्ध साधन सभ सेहो उपयोग नहि भए रहल अछि।

बाढ़ि मे परियोजनाक अपन उद्धार सामग्री आ आधारभूत संरचना नष्ट भए गेल अछि। सुरंगक भीतर जमा भेल कंकड़-पाथर, माटि आ कादो हटाबय, पानि बाहर निकालय, हवा पठाबय आ फंसल लोकक अवस्थाक जानकारी पेबा लेल आधुनिक उपकरणक आवश्यकता अछि।

नेपाल टनेलिंग एसोसिएशनक अध्यक्ष रामहरि शर्मा एखन लांगटांग खोला जलविद्युत परियोजना स्थल पर छथि। बाढ़िक नवम दिन बृहस्पतिदिन सुरंग सं दू व्यक्तिक शव बाहर निकालल गेल। सुरंगक भीतर 25 लोक फंसल होयबाक आशंका अछि आ अन्य लोकक खोज जारी अछि।

नेपाली सेना सहितक बचाव दल मुख्य सुरंग सं करीब 100 मीटर भीतर धरि पहुंचि सकल छल, मुदा कंकड़-पाथर, माटि आ कादो सं सुरंग भरल रहबाक कारण आगू नहि बढ़ि सकल। तकर बाद वैकल्पिक बाट खोजल गेल। लांगटांग सुरंग मे तैयार कयल गेल वैकल्पिक बाट उद्धार कार्यक लेल महत्वपूर्ण प्राविधिक उपलब्धि मानल जा रहल अछि। मुदा सुरंग धरि पहुंचि गेलाक बाद आवश्यक उपकरण भीतर पहुंचेनाइ सेहो ओतबे चुनौतीपूर्ण अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहार : गंगाक जलस्तर उच्चतम बाढ़ि स्तर पार करबाक आशंका, आपदा प्रबंधन विभाग जारी कएलनि अलर्ट

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech