बिहार : गंगाक जलस्तर उच्चतम बाढ़ि स्तर पार करबाक आशंका, आपदा प्रबंधन विभाग जारी कएलनि अलर्ट
पटना। बिहार मे गंगा नदीक बढ़ैत जलस्तर केँ लए आपदा प्रबंधन विभाग अलर्ट जारी कएलक अछि। जल संसाधन विभाग सं प्राप्त पूर्वानुमानक अनुसार पटना स्थित गांधी घाट पर गुरुवार राति तथा हाथीदह (मोकामा) मे चारि सितंबरक दुपहरिया गंगाक जलस्तर उच्चतम बाढ़ि स्तर केँ पार करबाक संभावना अछि। एकरा देखैत नदीक कात आ निचला इलाका मे रहनिहार लोक सभ सं विशेष सतर्कता बरतबाक अपील कएल गेल अछि।
आपदा प्रबंधन विभागक अनुसार गंगाक जलस्तर मे संभावित वृद्धि सं भोजपुर, पटना, सारण, वैशाली, नालंदा, बेगूसराय, लखीसराय आ जहानाबाद जिलाक नदीक कात आ निचला क्षेत्र मे बाढ़िक स्थिति उत्पन्न भऽ सकैत अछि। विभाग लोक सभ सं कोनो तरहक जोखिम नहि लेबाक आ प्रशासन द्वारा जारी दिशा-निर्देशक पालन करबाक अपील कएलक अछि।
विभाग सोशल मीडिया केर माध्यम सं लोक सभ केँ नदी, घाट, तटबंध आ निचला क्षेत्र मे अनावश्यक रूप सं नहि जेबाक सलाह देलक अछि। संगहि बच्चा, बुजुर्ग आ दिव्यांगजन केँ नदी आ जलजमाव बला क्षेत्र सं दूर राखबाक अपील कएल गेल अछि। प्रशासन द्वारा चिह्नित सुरक्षित स्थान आ राहत शिविरक जानकारी पहिनहि सं रखबाक तथा आवश्यकता पड़ला पर तत्काल सुरक्षित स्थान पर जेबाक कहल गेल अछि।
आपदा प्रबंधन विभाग नदी मे स्नान आ तैराकीक संग नाव सं अनावश्यक आवागमन सं सेहो बचबाक सलाह देलक अछि। जलस्तर बढ़बाक स्थिति मे सेल्फी लेब अथवा अन्य जोखिमपूर्ण गतिविधि मे शामिल नहि होयबाक चेतावनी देल गेल अछि।
विभाग प्रभावित क्षेत्रक लोक सभ सं आवश्यक दस्तावेज, दवा, मोबाइल फोन, टॉर्च, पीबाक पानि आ अन्य जरूरी सामान सुरक्षित आ आसानी सं लए जा सकय, एहि तरहें राखबाक कहल अछि। जाहि सं आवश्यकता पड़ला पर सुरक्षित स्थान पर जेबाक समय कोनो परेशानी नहि होय।
लोक सभ सं अफवाह पर ध्यान नहि देबाक आ केवल जिला प्रशासन तथा आपदा प्रबंधन विभाग द्वारा जारी आधिकारिक सूचना पर भरोसा करबाक अपील कएल गेल अछि। जलस्तर बढ़ला अथवा बाढ़िक स्थिति उत्पन्न भेला पर प्रशासन आ बचाव दलक निर्देश केर तत्काल पालन करबाक कहल गेल अछि।
आपदा प्रबंधन विभाग कोनो आपातकालीन स्थिति मे राज्य आपातकालीन संचालन केंद्र सं संपर्क करबाक अपील कएलक अछि।