Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

अर्नब तूफान सं बर्बाद भेल धानक फसिल, संकट मे पड़लाह मिथिलाक अन्नदाता

Avatar
By Samadiya Mithila
October 30, 2026 2 Min Read
Comments Off on अर्नब तूफान सं बर्बाद भेल धानक फसिल, संकट मे पड़लाह मिथिलाक अन्नदाता

 

 

  • 29 अक्टूबर सं लगातार भए रहल अछि बरखा

  • तेज हवाक कारणें झुकि गेल धानक फसिल

 

पटना, समदिया

बंगालक खाड़ी मे उठल चक्रवाती तूफान अर्नबक असरि मिथिला क्षेत्र मे सेहो देखल जा रहल अछि। 29 अक्टूबर सं लगातार भए रहल बरखा आ तेज हवाक कारण खेत मे पकबाक स्थिति मे पहुंचल धानक फसिल पर संकट गहरा गेल अछि। कतेको स्थान पर खेत मे पानि जमा भए गेल अछि, जखन कि तेज हवाक झोंका सं ठाढ़ धानक फसिल कतेको ठाम झुकि गेल अछि। किसान सभ कें आब कटनी प्रभावित होयबाक आ उपज घटबाक चिंता सता रहल अछि। मधुबनी जिलाक मधेपुर प्रखंड निवासी हरेराम यादव बतौलनि जे ओ एहि बेर 10 कट्ठा मे धानक खेती कएने छलाह। धान अखन पाकिये रहल छल कि बीहाड़ि-पानि सभ बर्बाद कए देलक। हमर अधिकांश खेत मे ठेहुन पर पानि जमा भए गेल अछि। आब तं हमरा संदेह अछि जे एहि मे सं एकहु कनमा धान निकलत कि नहि।

महीनोक मेहनत गेल पानि मे

बरखाक सब सं पैघ असरि खेत मे तैयार धानक फसिल पर पड़ल अछि। सुपौल मे कतेको जगह तेज हवा आ बरखाक कारण धानक पातर खेत मे खसि पड़ल अछि। किसान सभक कहब अछि जे महीनोक मेहनत आ लागतिक बाद फसिल तैयार भेल छल, मुदा कटनीक समये मौसिम बिगड़ि गेल। खेत मे फसिल खसि पड़ला सं उपज आ गुणवत्ता दुनू प्रभावित होयबाक आशंका अछि। जे किसान धान काटि लेने छथि, हुनका कटल फसिल भीजब आ सुरक्षित रखबाक चिंता सता रहल अछि।

तरकारीक फसिल सेहो भए सकैत अछि प्रभावित

दरभंगा आ मधुबनी मे सेहो बरखा खेतीक काज कें प्रभावित कयलक अछि। दरभंगाक जाले प्रखंड मे करीब 8 हजार हेक्टेयर मे धानक खेती भेल अछि। किसान सभ एहि समय पकल धान समेटबाक तैयारी मे छलाह। लगातार पानि पड़ला सं कटनीक काज प्रभावित भेल अछि। रबी, मसूर आ तरकारीक खेती पर सेहो असरि पड़बाक आशंका अछि। मधुबनी मे 30 अक्टूबर धरि सरकारी बरखा आंकड़ा 42.53 मिलीमीटर दर्ज कयल गेल। दरभंगा मे ई आंकड़ा 31.28 मिलीमीटर रहल।

रबीक बोआइ सेहो होयत पभावित

सीतामढ़ी मे करीब 1.10 लाख हेक्टेयर मे धानक खेती कयल गेल अछि। एहि समय खेत मे बहुत रास फसल पकल अवस्था मे अछि। बरखा आ तेज हवाक कारण धनकटनी मे देरी भए रहल अछि। खेत मे पानि जमा रहला पर कटनीक बाद रबी फसिलक बुआइयो प्रभावित भए सकैत अछि। 30 अक्टूबरक सरकारी बरखा आंकड़ा सीतामढ़ी मे 74.64 मिलीमीटर रहल। ई एहि क्षेत्र मे बरखाक गंभीरता देखबैत अछि। कोसी आ सीमांचल क्षेत्रक अन्य जिला मे सेहो बरखा दर्ज कयल गेल। 30 अक्टूबरक सरकारी आंकड़ाक अनुसार अररिया मे 27.19, पूर्णिया मे 20.61, कटिहार मे 20.02, सहरसा मे 16.30, मधेपुरा मे 12.45 आ किशनगंज मे 17.44 मिलीमीटर बरखा भेल।

बरखाक असरि मात्र खेत धरि सीमित नहि अछि। ग्रामीण बाजार मे ग्राहक घटल, दैनिक मजदूरी करयबला लोकक काम प्रभावित भेल आ सड़क पर पानि जमा भेला सं आवागमन कठिन बनल। आब किसान सभक लेल सब सं जरूरी अछि जे मौसिम साफ हो, खेतक पानि निकलय आ पकल धानक कटनी शीघ्र शुरू भए सकय। प्रशासन आ कृषि विभाग कें प्रभावित इलाकाक खेतक वास्तविक स्थिति देखबाक चाही, जाहि सं नोकसान भेल किसानक पहिचान आ आवश्यक सहायता सुनिश्चित कयल जा सकय।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

दुलारचंद हत्याकांड मे 1 दिसंबर धरि सरेंडर करताह अनंत सिंह

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech