दुलारचंद हत्याकांड मे 1 दिसंबर धरि सरेंडर करताह अनंत सिंह
- कहलनि– नीरज हमरा दुलारचंद हत्याकांड मे फंसा देलक
पटना, समदिया
सुप्रीम कोर्ट मोकामा विधायक अनंत सिंह कें दुलारचंद यादव हत्याकांड मे 1 दिसंबर धरि आत्मसमर्पण कए फेर जेल जेबाक आदेश देलक अछि। मुदा हुनका बेटी शिवांगी सिंहक 25 नवंबर कें तय विवाहक लेल एक मासक मोहलत देल गेल अछि। न्यायालय कहलक अछि जे बेटी विवाहक बाद अनंत सिंह 1 दिसंबर धरि आत्मसमर्पण करथि। न्यायमूर्ति एमएम सुंदरेश आ न्यायमूर्ति प्रसन्ना बी वरालेक पीठ 30 अक्टूबर कें सुनवाइक दौरान राज्य सरकार कें एहि मामिलाक जांच चारि मासक भीतर पूरा करबाक निर्देश सेहो देलक। एकर बाद मामिलाक अगिला सुनवाइ होयत। संयोग सं बिहार विधानसभा चुनाव 2025क दौरान 30 अक्टूबर कें दुलारचंद यादवक हत्या भेल छल।
सुप्रीम कोर्ट मे अनंत सिंहक वकील हुनकर बेटीक 25 नवंबर कें होमयबला विवाहक जानकारी दैत आत्मसमर्पण लेल मोहलत देबाक आग्रह कयने छलाह। एहि मामिलाक पिछला सुनवाइ 29 सितंबर कें भेल छल। तखन न्यायालय स्पष्ट कयने छल जे 30 अक्टूबर कें सुनवाइ स्थगित नहि होयत। एहि मुकदमा मे बिहार सरकार पहिल पक्ष आ अनंत सिंह दोसर पक्ष छथि। राज्य सरकार 24 अक्टूबर कें दाखिल शपथपत्र मे अनंत सिंहक आपराधिक इतिहासक उल्लेख करैत हुनका विरुद्ध दर्ज 62 मोकदमाक जानकारी देलक अछि। सरकार न्यायालय कें इहो बतौलक जे एहि मामिला मे आरोपपत्र दाखिल कयल जा चुकल अछि।
सुप्रीम कोर्टक आदेशक बाद विधायक अनंत सिंह मीडियाक सोझां अयलाह। ओ कहलनि जे न्यायालयक फैसलाक सम्मान करैत छथि आ आदेशक पालन करैत आत्मसमर्पण कए देताह। मुदा एहि दौरान ओ जदयू विधान पार्षद नीरज कुमार पर हमला जारी रखलनि। अनंत सिंह आरोप लगौलनि जे नीरज कुमार हुनका दुलारचंद यादव हत्याकांड मे फंसा देलनि, जखन कि घटनाक समय ओ ओतय उपस्थित नहि छलाह। हुनकर आरोप छलनि जे पटना उच्च न्यायालय सं जमानत भेटलाक बाद जेल सं बाहर अयलापर नीरज कुमार हुनका विरुद्ध दिल्ली मे ई मुकदमा दर्ज करौने छथि।
ओम्हर नीरज कुमार एहि आरोप कें खारिज कयलनि। हुनकर कहब छलनि जे दुलारचंद यादवक पोताक नाम सेहो नीरज कुमार अछि। उल्लेखनीय अछि जे मोकामाक चर्चित दुलारचंद यादव हत्याकांड मे पटना उच्च न्यायालय सं 19 मार्च कें जमानत भेटलाक बाद अनंत सिंह जेल सं रिहा भेल छलाह। दुलारचंद यादवक पोता नीरज कुमार अनंत सिंहक जमानत रद्द करबाक लेल सुप्रीम कोर्ट मे याचिका दायर कयने छथि। नीरज कुमारक वकील सभक दलील अछि जे पटना उच्च न्यायालय अनंत सिंह कें जमानत दैत समय हुनकर आपराधिक इतिहास पर ध्यान नहि देलक।
राज्य सरकार 24 अक्टूबर कें दाखिल हलफनामा मे अनंत सिंहक विरुद्ध हत्या, हत्याक प्रयास, अपहरण आ आर्म्स एक्ट सहित गंभीर धारा सभ मे दर्ज कुल 62 मोकदमाक उल्लेख कयने अछि। सरकार हुनकर आपराधिक इतिहास कें अत्यंत गंभीर बतौने अछि।