Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

आबादीबला क्षेत्र मे पटाखाक अवैध भंडारण, पांच दोकानदार पर प्राथमिकी दर्ज करबाक आदेश

Avatar
By Samadiya Mithila
October 30, 2026 2 Min Read
Comments Off on आबादीबला क्षेत्र मे पटाखाक अवैध भंडारण, पांच दोकानदार पर प्राथमिकी दर्ज करबाक आदेश

 

  • शंकर चौक आ डीबी रोड मे छापामारी, चारि दोकानदारक लग नहि छल वैध लाइसेंस

  • एकटाक लाइसेंस सेहो नहि भेल छल नवीकृत

सहरसा, समदिया

सहरसा शहरक घनी आबादी बला रिहाइशी इलाका मे पटाखाक कारोबार आ भंडारण लोकसभक सुरक्षा लेल चिंता बढ़ा देने अछि। दीपावली आ छठ पर्वक मद्देनजर जिला प्रशासन द्वारा कयल गेल जांच आ छापेमारी मे पटाखा कारोबारक गंभीर अनियमितता सामने आयल अछि। शंकर चौक आ डीबी रोड स्थित पांच दोकानदारक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करबाक आदेश देल गेल अछि। अंचल अधिकारी कहरा निरंजन कुमार मिश्रा सदर थानाध्यक्षके देल आवेदन मे कहलनि जे अनुमंडल पदाधिकारी सदरक निर्देश पर 25 अक्टूबरके पुलिस बलक संग पटाखा दोकान सभ मे छापेमारी कयल गेल। एहि दौरान अमरजीत कुमार, सुशील कुमार, चंदन कुमार, सूरज कुमार आ भारती देवीक दोकानक जांच कयल गेल। जांच मे अमरजीत कुमारक लाइसेंस नवीकृत नहि भेटल। जखन कि सुशील कुमार, चंदन कुमार, सूरज कुमार आ भारती देवी वैध लाइसेंस अथवा संबंधित कागजात प्रस्तुत नहि क सकलाह। ओतहि रंजय कुमारक लाइसेंस वैध भेटल, जे 2029 धरि नवीकृत अछि।

छापेमारीक दौरान पांचो दोकानदारक दोकान आ भंडारण स्थल सं विभिन्न प्रकारक पटाखा बरामद कयल गेल। स्वतंत्र गवाहक उपस्थिति मे जब्ती सूची तैयार क पटाखा जब्त कयल गेल। संपूर्ण कारबाइक मोबाइल सं वीडियोग्राफी सेहो कराओल गेल। अनुमंडल पदाधिकारीक निर्देश पर पांचू दोकानदारक विरुद्ध संबंधित धारा मे प्राथमिकी दर्ज करबाक अनुशंसा कयल गेल अछि।

आबादीबला क्षेत्र मे भंडारण सं दुर्घटनाक खतरा

शहरक व्यस्त आ घनी आबादी बला शंकर चौक क्षेत्र मे पटाखाक भंडारण सं आगि अथवा विस्फोट सन पैघ दुर्घटनाक आशंका बनल रहैत अछि। सवाल उठैत अछि जे जखन एहि इलाका मे वर्षो भरि पटाखाक कारोबार चलैत अछि तं नियमित जांच किएक नहि होइत अछि? मात्र दीपावली आ छठक समय प्रशासनिक सक्रियता बढ़ेनाइ पर्याप्त नहि अछि।

स्थायी निगरानी जरूरी

पटाखाक कारोबार मे लाइसेंस आ सुरक्षा मानकक पालन सुनिश्चित करब प्रशासनक जिम्मेदारी अछि। मात्र छापेमारी आ जब्ती सं समस्या समाप्त नहि होयत। जरूरी अछि जे रिहाइशी इलाका मे अवैध भंडारण पर रोक लगाओल जाय आ प्रशासन, अग्निशमन विभाग तथा संबंधित अधिकारी नियमित निरीक्षण करथि। समय रहैत निगरानी व्यवस्था मजबूत कयल गेल तं संभावित अगिलग्गी आ विस्फोट सन दुर्घटना सं बचाव संभव अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दुलारचंद हत्याकांड मे 1 दिसंबर धरि सरेंडर करताह अनंत सिंह

Next

आजुक ई पेपर

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech