Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

अवैध संबंधक आरोप मे घेरल गेल एएसआइ तं केलक अंधाधुंध फायरिंग, एक गोटेक मृत्यु, तीन घायल

Avatar
By Samadiya Mithila
November 3, 2026 3 Min Read
Comments Off on अवैध संबंधक आरोप मे घेरल गेल एएसआइ तं केलक अंधाधुंध फायरिंग, एक गोटेक मृत्यु, तीन घायल

 

  • बाबूबरहीक बलिराजगढ़ मे राति करीब 1 बजे भेल घटना, आरोपी एएसआइ फरार, गिरफ्तारी लेल पांच विशेष टीम गठित

  • फरार एएसआइ केर सूचना देनिहार व्यक्ति कें देल जायत 25 हजारक ईनाम

 

मधुबनी, समदिया

मधुबनी जिलाक बाबूबरही थाना क्षेत्रक बलिराजगढ़ गाम मे सोमदिन राति एकटा सनसनीखेज घटना सामने आयल। भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण (एएसआइ) मे तैनात सहायक पुलिस अवर निरीक्षक (एएसआइ) चंद्रमोहन सिंह पर अवैध संबंधक आरोप लगलाक बाद ग्रामीण सभक घेराबंदी पर अपन सर्विस रिवॉल्वर सं अंधाधुंध गोली चलेबाक आरोप अछि। गोलीबारी मे अशोक यादव (45) सहित एक व्यक्तिक मृत्यु भए गेल, जखन कि तीन गोटे घायल भए गेलाह। घटनाक बाद आरोपी एएसआइ फरार अछि।

मधुबनीक पुलिस अधीक्षक योगेंद्र कुमार आरोपी एएसआइ कें तत्काल प्रभाव सं निलंबित कए देलनि छथि। हुनका सेवा सं बर्खास्त करबाक कारबाइ सेहो चलि रहल अछि। आरोपीक गिरफ्तारी लेल पांच विशेष पुलिस टीम गठित कएल गेल अछि। पुलिस ओकरा पर 25 हजार टाकाक इनाम सेहो घोषित कयने अछि।

एसपी योगेंद्र कुमार कहलनि जे आरोपीक विरुद्ध बाबूबरही थाना मे हत्याक मामिला दर्ज कयल गेल अछि। गिरफ्तारी लेल लगातार छापामारी कयल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे गिरफ्तारीक बाद मामिलाक त्वरित विचारण करा कए कठोरतम सजा दियेबाक प्रयास कयल जायत।

महिलाक घर मे गेल छल एएसआइ

एसपीक अनुसार, सोमदिन राति करीब 1 बजे बाबूबरही थानाक डायल 112 पर बलिराजगढ़ गाम मे गोलीबारी आ एक व्यक्तिक मृत्यु होयबाक सूचना भेटल। सूचना भेटिते एसपी पुलिस टीमक संग सदर अस्पताल पहुंचलाह। ओतय घायल सभक परिजन सं घटना संबंधी जानकारी लेलनि। तकर बाद घटनास्थल पहुंचि स्थानीय ग्रामीण सभ सं पूछताछ कयलनि। जांचक क्रम मे जानकारी भेटल जे बलिराजगढ़ गाम मे भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण द्वारा उत्खननक काज चलि रहल अछि। ओतहि एएसआइ चंद्रमोहन सिंह तैनात छलाह। एसपीक अनुसार, आरोपी एएसआइक गामक एक महिला सं कथित संबंध छल। एहि कारण ओ बेसी काल गाम अबैत-जाइत छल। ग्रामीण सभ ओकर एहि गतिविधि सं तमसायल छलाह। घटनाक राति सेहो ओ ओहि महिलाक घर गेल छल। एएसआइ कें घर मे प्रवेश करैत देखि पड़ोसक एक महिला साहस देखबैत बाहर सं दरबज्जा बंद कए देलक आ हल्ला करय लागल। हल्ला सुनि राति मे पैघ संख्या मे ग्रामीण ओतय जुटि गेलाह।

खिड़की सं सर्विस रिवॉल्वर सं चलेलक गोली

एसपीक अनुसार, जखन एएसआइ के बुझायल जे ओ ग्रामीण सभ सं घेरा गेल छथि, तखन ओ बचबाक प्रयास मे बंद घरक खिड़की सं अपन सर्विस रिवॉल्वर सं अंधाधुंध गोली चलाबय लागल। गोलीबारी शुरू होइतहि इलाका मे अफरातफरी मचि गेल। एहि गोलीबारी मे चारि गोटे कें गोली लागल, जाहि मे एक महिला सेहो शामिल छथि। गोली लगला सं अशोक यादव (45) केर घटनास्थले मृत्यु भए गेल। हुनका माथ आ छाती मे गोली लागल छल। दोसर घायल फूलो देवी (40) कें पेट मे, विजेंद्र यादव (45) कें गर्दनि मे आ धनिकलाल यादव कें पएर मे गोली लागल। स्थानीय लोकक कहब अछि जे करीब 5-6 राउंड गोली चलाओल गेल, जखन कि एसपी 3-4 राउंड गोली चलबाक पुष्टि कयलनि।

गाम मे पुलिस बल तैनात

घटनाक बाद बलिराजगढ़ गाम मे शोक आ तनावक वातावरण अछि। कानून-व्यवस्था बनौने रखबाक लेल गाम मे अतिरिक्त पुलिस बल तैनात कयल गेल अछि। पुलिस स्थानीय लोक सं अफवाह पर ध्यान नहि देबाक अपील कयने अछि। संगहि कोनो तरहक जानकारी भेटला पर तत्काल पुलिस के सूचित करबाक आग्रह कयल गेल अछि। दोसर दिस पीड़ित परिवारक हालचाल लेबा लेल पहुंचल डीएम आनंद शर्मा संग ग्रामीण सभ अभद्र व्यवहार सेहो कएल गेल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

दू करोड़ सं बेसीक अवैध संपत्ति अर्जित केलनि डीपीओ रूबी, ईओयू केलक खुलासा

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech