Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

बिहार बाढ़ि सेहो झेलय आ सुखाड़ सेहो, आखिर ई कोन व्यवस्था अछि : संजय झा

Avatar
By Samadiya Mithila
November 3, 2026 2 Min Read
Comments Off on बिहार बाढ़ि सेहो झेलय आ सुखाड़ सेहो, आखिर ई कोन व्यवस्था अछि : संजय झा

 

 

  • संजय झा कहलनि, 1996क जल संधिक नवीकरण नहि हो, 2050 धरि बिहारक जरूरत कें भेटय प्राथमिकता

  • उमेश कुशवाहा कहलनि- संधिक 73 प्रतिशत भार बिहार पर

 

भागलपुर, समदिया

गंगा मे बाढ़िक कहर सेहो बिहार झेलय आ पानिक किल्लत सेहो एहि राज्यक हिस्से पड़य, आखिर ई कोन व्यवस्था अछि? फरक्का जल संधि कें लए आब जनता दल (यूनाइटेड) बिहारक जल अधिकारक सवाल पर आवाज तेज करबाक घोषणा कयने अछि। एहि मुद्दा पर मंगलदिन भागलपुरक टाउन हॉल मे जदयू द्वारा आयोजित फरक्का जल संधि पर नीतीश संवाद कार्यक्रम मे पार्टीक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय कुमार झा आ प्रदेश अध्यक्ष उमेश सिंह कुशवाहा बिहारक जल अधिकारक मुद्दा उठौलनि।

नेता सभ कहलनि जे फरक्का जल संधि आ बराजक प्रभाव पर नव ढंग सं विचार करबाक समय आबि गेल अछि। कार्यक्रम मे फरक्का जल संधिक प्रभाव पर आधारित वृत्तचित्र देखाओल गेल आ लोक सभक बीच जानकारीपरक पर्चा सेहो बांटल गेल।

राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय कुमार झा अपन संबोधन मे कहलनि जे शुष्क मौसिम मे जखन बक्सर लग गंगाक जलप्रवाह घटि कए करीब 400 क्यूमेक रहि जाइत अछि, तखनहुं संधिक प्रावधानक अनुसार फरक्का सं बांग्लादेश लेल 1500 क्यूमेक पानि छोड़बाक व्यवस्था अछि। हुनकर कहब छलनि जे एकर प्रभाव मात्र गंगाक जलप्रवाह धरि सीमित नहि रहैत अछि, बल्कि बिहारक आंतरिक नदी सभक जल प्रबंधन पर सेहो पड़ैत अछि।

संजय झा आरोप लगौलनि जे एहि व्यवस्थाक कारण बिहारक किसानक सिंचाइ, पेयजल, उद्योग आ लाखो लोकक आजीविका प्रभावित भए रहल अछि। ओ कहलनि जे तत्कालीन सरकार सभ संधि करैत समय बिहारक दीर्घकालीन जल आवश्यकता कें पर्याप्त महत्व नहि देलक। आब राज्यक हित आ भविष्यक जरूरत कें ध्यान मे रखैत संधि पर पुनर्विचार आवश्यक अछि। हुनकर मांग छलनि जे 1996क जल संधिक नवीकरण नहि हो आ 2050 धरि बिहारक जल आवश्यकता कें प्राथमिकता भेटय।

प्रदेश अध्यक्ष उमेश सिंह कुशवाहा कहलनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बहुत पहिने सं फरक्का बराज आ जल संधि सं बिहार कें होमयबला नुकसानक मुद्दा उठबैत रहल छथि। ओ फरक्का बराजक कारण गंगा मे गाद जमा होयबाक आ नदीक तल ऊंच होयबाक बात कहैत एकरा उत्तर बिहार मे बाढ़िक समस्या सं जोड़लनि। दोसर दिस, शुष्क मौसिम मे पानिक उपलब्धता सेहो प्रभावित होइत अछि। उमेश कुशवाहा एहि मुद्दा कें संसद मे उठेबाक आ राष्ट्रीय विमर्शक हिस्सा बनेबाक लेल संजय झा कें धन्यवाद देलनि। ओ संधिक करीब 73 प्रतिशत भार बिहार पर पड़बाक बात सेहो कहलनि।

कार्यक्रम मे अभियान प्रभारी आ ऊर्जा मंत्री शैलेश कुमार उर्फ बुलो मंडल, सांसद अजय कुमार मंडल, विधान पार्षद संजय सिंह आ विजय सिंह, विधायक ललित मंडल आ शुभानंद मुकेश सहित पार्टीक अन्य नेता उपस्थित छलाह। नेता सभ कहलनि जे ई अभियान बिहारक जल संसाधन आ राज्यवासीक हित सं जुड़ल अछि। पार्टी एहि मुद्दा के केंद्र सरकार धरि पहुंचा संधि पर पुनर्विचार करबाक मांग कें आगू बढ़ाओत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दू करोड़ सं बेसीक अवैध संपत्ति अर्जित केलनि डीपीओ रूबी, ईओयू केलक खुलासा

Next

आजुक ई पेपर

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech