बिहार एमएलसी चुनावक घोषणा : 23 अक्टूबर कें मतदान, 4 स्नातक आ 4 शिक्षक सीट पर चुनाव
- 29 सितंबर कें जारी होयत अधिसूचना, 27 अक्टूबर कें आओत परिणाम
पटना, समदिया
बिहार विधान परिषदक स्नातक आ शिक्षक निर्वाचन क्षेत्रक 8 सीट लेल चुनावक घोषणा कए देल गेल अछि। भारत निर्वाचन आयोग द्वारा जारी कार्यक्रमक अनुसार 4 स्नातक आ 4 शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र मे मतदान होयत। चुनावक अधिसूचना 29 सितंबर 2026 कें जारी होयत, जखन कि 23 अक्टूबर कें मतदान आ 27 अक्टूबर कें मतगणना होयत। संपूर्ण चुनाव प्रक्रिया 31 अक्टूबर धरि पूरा कए लेबाक अछि।
एहि 8 सीट मे पटना स्नातक, दरभंगा स्नातक, तिरहुत स्नातक, कोसी स्नातक तथा पटना शिक्षक, दरभंगा शिक्षक, तिरहुत शिक्षक आ सारण शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र शामिल अछि। वर्तमान 8 सदस्यक कार्यकाल 16 नवंबर 2026 कें समाप्त होयत।
6 अक्टूबर धरि दाखिल कएल जा सकत नामांकन
चुनावक अधिसूचना 29 सितंबर कें जारी होयत। उम्मीदवार 6 अक्टूबर धरि नामांकन पत्र दाखिल कए सकताह। 7 अक्टूबर कें नामांकन पत्रक जांच होयत आ 9 अक्टूबर धरि नाम वापस लेबाक अवसर रहत। 23 अक्टूबर कें भोरे 8 बजे सं सांझ 4 बजे धरि मतदान होयत। चारि दिनक बाद 27 अक्टूबर कें मतगणना कएल जाएत। चुनाव कार्यक्रमक घोषणा संगहि संबंधित निर्वाचन क्षेत्र सभ मे आदर्श आचार संहिता लागू भए गेल अछि।
जन सुराजक 5 उम्मीदवार घोषित
प्रशांत किशोरक जन सुराज पार्टी पहिने 5 सीट लेल अपन उम्मीदवारक घोषणा कए चुकल अछि। दरभंगा शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र सं एसपी राय, दरभंगा स्नातक सं रवींद्र यादव, सारण शिक्षक सं आफाक अहमद, पटना शिक्षक सं डॉ. दिव्या ज्योति आ कोसी स्नातक सं रजनीश रंजन कें उम्मीदवार बनाओल गेल अछि। बांकी 3 सीट – पटना स्नातक, तिरहुत स्नातक आ तिरहुत शिक्षक पर उम्मीदवारक घोषणा बाद मे करबाक बात पार्टी कहने अछि। जन सुराज पहिने सभ 8 सीट पर चुनाव लड़बाक बात कहने छल।
राजदक 6 उम्मीदवार
राजद सेहो 8 मे सं 6 सीट पर अपन उम्मीदवारक घोषणा कए चुकल अछि। पार्टी द्वारा घोषित नाम मे डॉ. संजीव कुमार सिंह, दिलीप कुमार, नितेश कुमार, अनिल कुमार झा, जयराम यादव आ रश्मि विनायक गौतम शामिल छथि। दू सीट पर उम्मीदवारक घोषणा शेष अछि।
एमएलसी चुनावक घोषणा भेला सं बिहारक शिक्षक आ स्नातक निर्वाचन क्षेत्र सभ मे राजनीतिक गतिविधि तेज भए गेल अछि। एहि चुनाव मे शिक्षक आ स्नातक मतदाता अपन प्रतिनिधिक निर्वाचन करताह।