Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

जमुई कांडक मुख्य आरोपीक हाफ एनकउंटर, पुलिस कें देखिते चलबय लागल छल गोली

Avatar
By Samadiya Mithila
September 22, 2026 3 Min Read
0

फ्लायर

जमुई कांडक मुख्य आरोपीक हाफ एनकउंटर, पुलिस कें देखिते चलबय लागल छल गोली

  • पुलिस पैर मे गोली मारि मुख्य आरोपी कें पकड़लक

  • अखन धरि सात आरोपीक भए चुकल अछि गिरफ्तारी

  • वीडियो बनौनिहार आ वायरल केनिहारक सेहो कएल जा रहल अछि तलाश

फोटो : जमुई

जमुई, समदिया

जमुई मे नाबालिग छात्राक संग कथित बदसलूकीक मामिला मे पुलिस पैघ कारबाइ केने अछि। पुलिसक अनुसार, घटनाक मुख्य आरोपी नंदन यादवक संग मुठभेड़ भेल, जाहि मे ओकर पैर मे गोली लागल अछि। एकटा दोसर आरोपीक पैर टूटबाक सेहो सूचना अछि। एहि घटना मे आरोपी सभक गिरफ्तारी लेल विशेष जांच दल अर्थात एसआइटी गठित कएल गेल छल।

पुलिसक अनुसार नंदन यादव समेत किछु आरोपी घटनाक बाद सं फरार छल आ हुनकर खोज चलि रहल छल। एहि क्रम मे पुलिसक नंदन यादव सं मुठभेड़ भए गेल। पुलिसक कहब अछि जे पहिने आरोपी दिस सं गोली चलाओल गेल, तकर बाद पुलिस जवाबी कारबाइ कएलक आ गोली नंदन यादवक पैर मे लागल। पुलिसक दावा अछि जे एहि मामिला मे अखन धरि कुल 7 आरोपी कें पकड़ल गेल अछि। पुलिस अधीक्षक विश्वजीत दयालक अनुसार, मुठभेड़क बाद एफएसएलक टीम सेहो घटनास्थल पर पहुंचि जांच केने अछि। मुख्य आरोपी नंदन यादव सं पूछताछ कएल जायत। वायरल वीडियो मे देखाइ देनिहार अन्य लोकक भूमिका संबंधी जानकारी सेहो जुटाओल जा रहल अछि।

मड़वा पहाड़ पर पहिने सेहो भेल अछि घटना

जतय नाबालिग छात्राक संग कथित छेड़छाड़क घटना भेल ओ इलाका सांझक बाद सुनसान भए जाइत अछि। मड़वा पहाड़ी दिस जायबला सड़क पर अन्हार होइतहि असामाजिक तत्वक जमघट रहबाक बात स्थानीय लोक बतौने छथि। स्थानीय लोकक कहब अछि जे पहिने सेहो एहि क्षेत्र मे एहन घटना भेल अछि, मुदा लोकलाजक कारण बहुतो मामिला थाना धरि नहि पहुंचि सकल। घटनास्थल पर नियमित पुलिस गश्ती आ निगरानीक कमी कें लए कए सेहो सवाल उठाओल जा रहल अछि।

पटना मे कांग्रेसक प्रदर्शन

जमुई घटनाक विरोध मे युवा कांग्रेसक कार्यकर्ता सभ सोमदिन पटना मे सरकारक विरुद्ध प्रदर्शन कएलनि। कारगिल चौक पर मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक पुतला दहन कएल गेल। प्रदर्शनकारी सभ सरकारक विरुद्ध नारा लगबैत मुख्यमंत्री सं नैतिक जिम्मेदारी स्वीकार करैत इस्तीफाक मांग कएलनि। विपक्षी दल राजद आ कांग्रेस सेहो घटनाक आधार पर मुख्यमंत्री सं इस्तीफाक मांग केने अछि।

वीडियो वायरल कएनिहार पर सेहो कारबाइ

उपमुख्यमंत्री विजय कुमार चौधरी जमुईक घटना कें घृणित अपराध बतौलनि। ओ कहलनि जे दोषी सभ कें कठोर सं कठोर सजा देबाक लेल सरकार तत्पर अछि। हुनकर अनुसार, मामिला मे पॉक्सो अधिनियम अंतर्गत प्राथमिकी दर्ज कएल गेल अछि, जाहि मे कठोर दंडक प्रावधान अछि। ओ कहलनि जे घटना मे जे लोक प्रत्यक्ष रूप सं शामिल छलाह, जे वीडियो बनौलनि अथवा जे एकरा सोशल मीडिया पर वायरल कएलनि, सभक भूमिका जांचल जाएत आ कानूनक अनुसार कठोर कारबाइ कएल जाएत।

तेजस्वीक आरोप : बिहार मे महिला-छात्रा सुरक्षित नहि

जमुई घटनाक आलोचना करैत विधानसभा मे नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव कहलनि जे बिहार मे कानून-व्यवस्थाक स्थिति चिंताजनक अछि। हुनकर आरोप अछि जे राज्य मे छात्रा आ महिला सुरक्षित नहि छथि। सड़क, घर, स्कूल अथवा कॉलेज – कतहु लड़कीक सुरक्षा सुनिश्चित नहि अछि। तेजस्वी यादवक कहब छल जे अपराधी दिन-देखाड़ स्कूल, कॉलेज आ घर धरि मे अपराध करैत छथि। हत्या, लूट आ अपहरणक घटना बढ़बाक आरोप लगबैत ओ कहलनि जे राज्य मे अपराधी बेलगाम भए गेल छथि। हुनकर अनुसार, सरकारक कार्यकाल मे एहन घटना बढ़ल अछि आ कानून-व्यवस्थाक स्थिति पर गंभीर प्रश्न उठि रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

बिहार न्यूजबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जमुई घटनाक लए तेजस्वीक सरकार पर निशाना, मुठभेड़ मे मुख्य आरोपी कें गोली लगलाक बाद उठौलनि सवाल

Next

बिहार एमएलसी चुनावक घोषणा : 23 अक्टूबर कें मतदान, 4 स्नातक आ 4 शिक्षक सीट पर चुनाव

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • भवन निर्माण निगमक जीएमक ठिकाना पर ईओयू रेड
  • बिहार एमएलसी चुनावक घोषणा : 23 अक्टूबर कें मतदान, 4 स्नातक आ 4 शिक्षक सीट पर चुनाव
  • जमुई कांडक मुख्य आरोपीक हाफ एनकउंटर, पुलिस कें देखिते चलबय लागल छल गोली
  • जमुई घटनाक लए तेजस्वीक सरकार पर निशाना, मुठभेड़ मे मुख्य आरोपी कें गोली लगलाक बाद उठौलनि सवाल
  • जमुई घटनाक लए कांग्रेसक प्रदर्शन, सीएमक इस्तीफाक मांग, जांच लए आठ सदस्यीय समिति गठित

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22 09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • भवन निर्माण निगमक जीएमक ठिकाना पर ईओयू रेड
  • बिहार एमएलसी चुनावक घोषणा : 23 अक्टूबर कें मतदान, 4 स्नातक आ 4 शिक्षक सीट पर चुनाव
  • जमुई कांडक मुख्य आरोपीक हाफ एनकउंटर, पुलिस कें देखिते चलबय लागल छल गोली
  • जमुई घटनाक लए तेजस्वीक सरकार पर निशाना, मुठभेड़ मे मुख्य आरोपी कें गोली लगलाक बाद उठौलनि सवाल
  • जमुई घटनाक लए कांग्रेसक प्रदर्शन, सीएमक इस्तीफाक मांग, जांच लए आठ सदस्यीय समिति गठित

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech