मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी लॉन्च कएलनि ‘बिहार विद्या साथी’, 75 हजार शिक्षक देताह ऑनलाइन सहयोग
पटना। बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सोमदिन राज्यक 38 जिला मे 700 सरस्वती विद्या निकेतन मॉडल विद्यालयक विद्यार्थीक लेल 24 घंटा उपलब्ध रहयबला ‘बिहार विद्या साथी’ ऐपक शुरुआत कएलनि। लोक सेवक आवास स्थित ‘संकल्प’ सभागार सं वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यम सं शुरू कएल गेल एहि डिजिटल प्लेटफॉर्म सं करीब तीन लाख विद्यार्थी कें लाभ भेटत।
मुख्यमंत्री कहलनि जे बच्चा सभ कें गुणवत्तापूर्ण शिक्षा आ नीक मार्गदर्शन उपलब्ध करयबाक दिस मे ‘बिहार विद्या साथी’ महत्वपूर्ण पहल अछि। एहि माध्यम सं विद्यार्थी जखन चाहताह आ जतय सं चाहताह, पढ़ाई सं जुड़ल अपन समस्या केर समाधान प्राप्त कए सकताह।
कक्षा 9म सं 12म धरि विद्यार्थी सभक लेल 24 घंटा लाइव शिक्षक उपलब्ध रहताह। ओ कहलनि जे विद्यार्थी अपन जरूरत आ पसंदक अनुसार शिक्षकक चयन कए वन-टू-वन संवादक माध्यम सं पढ़ाई कए सकताह। एहि लेल करीब 75 हजार शिक्षक विद्यार्थी सभ कें व्यक्तिगत शैक्षणिक सहयोग देताह। पढ़ाईक दौरान पाठ सं संबंधित कोनो समस्या केर त्वरित आ निःशुल्क समाधान सेहो एहि मंचक माध्यम सं भेटि सकत।
मुख्यमंत्री कहलनि जे कक्षा 9म आ 10मक विद्यार्थी सभ कें सभ विषयक लेल लाइव ट्यूटर सपोर्ट भेटत, जखनकि कक्षा 11म आ 12मक विज्ञान वर्गक विद्यार्थी सभ लेल बिहार बोर्डक संग जेईई आ नीट केर तैयारी लेल डिजिटल अध्ययन सामग्री सेहो उपलब्ध कराओल जाएत। ओ कहलनि जे आधुनिक एआई आधारित टूलक माध्यम सं विद्यार्थी सभक अवधारणात्मक समझ कें मजबूत कएल जाएत। विद्यार्थी सभ कें असीमित अध्ययन आ अभ्यासक सुविधा सेहो भेटत।
मुख्यमंत्री कहलनि जे 700 विद्यालय सं शुरू कएल जा रहल ई व्यवस्था आगू राज्यक अन्य विद्यालय धरि सेहो विस्तारित कएल जाएत। सम्राट चौधरी विद्यार्थी सभ सं अपील कएलनि जे ओ एहि सुविधाक भरपूर लाभ उठाबथि आ अपन जिज्ञासाक समाधान कए ज्ञान आ कौशल कें मजबूत करथि।
ओ कहलनि जे सरकारक प्रयास अछि जे विद्यार्थी जतय कतहु रहथि आ जखन पढ़थि, हुनकर सवालक जवाब आ शिक्षकक सहयोग सदिखन उपलब्ध रहय। कार्यक्रमक दौरान ‘बिहार विद्या साथी’ ऐप पर आधारित एकटा लघु फिल्म देखाओल गेल।
राजकीय कन्या उच्च माध्यमिक विद्यालय, शास्त्रीनगरक छात्रा जाह्नवी आ जिया ऐपक उपयोगक प्रदर्शन कएलनि आ एहि सं भेटयबला सुविधा सभक जानकारी देलनि।
कार्यक्रम मे उपमुख्यमंत्री विजय कुमार चौधरी, उपमुख्यमंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव, शिक्षा मंत्री मिथिलेश तिवारी, मुख्यमंत्रीक प्रधान सचिव दीपक कुमार, मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत, शिक्षा विभागक सचिव राजीव रौशन आ बिहार विद्यालय परीक्षा समितिक अध्यक्ष डॉ. त्यागराजन एस.एम. सहित अन्य अधिकारी उपस्थित छलाह। वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यम सं सभ जिला केर जिलाधिकारी आ विद्यार्थी सेहो जुड़ल छलाह।