पटना, समदिया
बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) टीआरई-4 केर अंतर्गत 32,388 पद पर विद्यालय अध्यापकक नियुक्ति लेल नव विज्ञापन जारी केलक अछि। एहि भर्ती लेल अभ्यर्थी 25 सितंबर 2026 सं ऑनलाइन आवेदन कए सकताह। आवेदन जमा करबाक अंतिम तिथि 26 अक्टूबर 2026 निर्धारित कएल गेल अछि। अर्थात् अभ्यर्थी सभ कें आवेदन लेल करीब एक मासक समय भेटत।
आवेदन शुल्क जमा करबाक आखरी तिथि 25 अक्टूबर 2026 अछि। एहि कारण अभ्यर्थी सभ कें 26 अक्टूबरक अंतिम तिथि सं पहिने शुल्क भुगतानक प्रक्रिया पूरा करय पड़त। आयोग स्पष्ट केलक अछि जे निर्धारित अंतिम तिथिक बाद आवेदन स्वीकार नहि कएल जायत। अभ्यर्थी सभकें अंतिम दिनक प्रतीक्षा नहि कए समय रहैत आवेदन प्रक्रिया पूरा करबाक सलाह देल गेल अछि।
शिक्षा विभाग मे 32,388 पद
टीआरई-4.0 केर माध्यम सं बिहारक शिक्षा विभाग मे विद्यालय अध्यापकक कुल 32,388 रिक्त पद पर नियुक्ति कएल जायत। एहि भर्तीके शिक्षक बनबाक तैयारी कए रहल अभ्यर्थी सभ लेल महत्वपूर्ण अवसर मानल जा रहल अछि। पदक अनुसार योग्यता, विषयवार रिक्ति, आरक्षण, आयु सीमा, परीक्षा पद्धति आ अन्य शर्तक विस्तृत जानकारी बीपीएससी द्वारा जारी विज्ञापन मे देल गेल अछि। अभ्यर्थी आवेदन करबाक पहिने नव विज्ञापनके ध्यानपूर्वक पढ़ि लेलनि, जाहि सं कोनो तरहक भ्रम नहि रहय।
पहिल विज्ञापन संख्या 14/2026 भेल छल रद्द
आयोग अपन सूचना मे स्पष्ट केलक अछि जे 18 अगस्त 2026 के जारी विज्ञापन संख्या 14/2026 के रद्द कए देल गेल अछि। आब ओकर स्थान पर विज्ञापन संख्या 15/2026 केर माध्यम सं आवेदन आमंत्रित कएल जा रहल अछि। शिक्षक भर्ती लेल इच्छुक अभ्यर्थीसभके आब नव विज्ञापन संख्या 15/2026 मे देल नियम आ शर्तक आधार परे आवेदन करय पड़त। आवेदनक समय अभ्यर्थी अपन शैक्षणिक योग्यता, व्यक्तिगत जानकारी आ अन्य आवश्यक विवरण सावधानीपूर्वक भरथि। जानकारी मे त्रुटि भेला सं आगांक प्रक्रिया मे कठिनाइ भए सकैत अछि।
अभ्यर्थी ध्यान राखथि ई बात
आवेदन शुरू भेलाक बाद अभ्यर्थी बीपीएससीक वेबसाइट पर उपलब्ध विस्तृत विज्ञापन अवश्य पढ़थि। एहि मे पात्रता, पदक योग्यता, आयु सीमा, आवेदन शुल्क आ परीक्षा संबंधी नियमक पूरा जानकारी देल रहत।अभ्यर्थी ई बात विशेष रूप सं ध्यान राखथि जे शुल्क जमा करबाक अंतिम तिथि 25 अक्टूबर, जखन कि ऑनलाइन आवेदन जमा करबाक आखरी तिथि 26 अक्टूबर 2026 अछि।