संविदा डॉक्टर सबहक मानदेय बढ़ल, 10 सं 27 हजार धरि भेल वृद्धि
- स्वास्थ्य मंत्री निशांत कहलनि, एहि सं स्वास्थ्य आ चिकित्सा शिक्षा व्यवस्था बनत मजबूत
पटना, समदिया
बिहार सरकार राजकीय चिकित्सा महाविद्यालय आ अस्पताल सभ मे संविदा पर कार्यरत प्राध्यापक, सह-प्राध्यापक, सहायक प्राध्यापक, सीनियर रेजिडेंट/ट्यूटर आ जूनियर रेजिडेंटक मानदेय मे वृद्धि केने अछि। स्वास्थ्य विभाग मंगलदिन संशोधित मानदेयक नव दर कें लए कए आदेश जारी कएलक।
स्वास्थ्य विभागक आदेशक अनुसार, संशोधित मानदेय 1 सितंबर 2026 सं प्रभावी होयत। एहि संबंध मे सभ संबंधित राजकीय चिकित्सा महाविद्यालय आ अस्पताल कें आवश्यक दिशा-निर्देश देल गेल अछि। आदेश मे कहल गेल अछि जे मानदेय संशोधनक प्रस्ताव कें प्राधिकृत समितिक अनुशंसा आ सक्षम प्राधिकारक स्वीकृति भेटलाक बाद ई निर्णय लेल गेल अछि। पदक अनुसार मानदेय मे 10 सं 27 हजार रुपैया धरि वृद्धि कएल गेल अछि।
सरकारक एहि निर्णय सं राज्यक चिकित्सा महाविद्यालय सभ मे संविदा पर कार्यरत शिक्षक आ रेजिडेंट चिकित्सक सभ कें सीधा लाभ भेटत। सरकारक मानब अछि जे मानदेय बढ़ला सं योग्य आ विशेषज्ञ चिकित्सक सभ कें चिकित्सा महाविद्यालय सभ मे बनौने रखबा मे सहायता भेटत।
स्वास्थ्य मंत्री निशांत कहलनि जे बिहार सरकार स्वास्थ्य आ चिकित्सा शिक्षा व्यवस्था कें मजबूत आ गुणवत्तापूर्ण बनेबाक लेल लगातार महत्वपूर्ण निर्णय लए रहल अछि। राजकीय चिकित्सा महाविद्यालय सभ मे संविदा पर कार्यरत प्राध्यापक, सह-प्राध्यापक, सहायक प्राध्यापक, सीनियर रेजिडेंट आ जूनियर रेजिडेंटक भूमिका महत्वपूर्ण अछि।
ओ कहलनि जे हुनकर योगदान कें ध्यान मे रखैत सरकार मानदेय बढ़ेबाक निर्णय लेल गेल अछि। एहि सं चिकित्सा क्षेत्र मे कार्यरत कर्मी सभ कें प्रोत्साहन भेटत आ मेडिकल कॉलेज सभ मे योग्य आ विशेषज्ञ मानव संसाधनक उपलब्धता सेहो मजबूत होयत।