बहादुरपुर बीडीओक आवास सं भेटल अकूत संपत्तिक सबूत
– दरभंगा, पटना, मुजफ्फरपुर सहित पांच स्थान पर ईओयू एक संग मारलक छापा
– ईओयू टीम कें देखिते बीडीओ भेलाह फरार
दरभंगा, समदिया
बिहार मे भ्रष्टाचारक विरुद्ध आर्थिक अपराध इकाइ (ईओयू) पैघ कारबाइ करैत दरभंगाक बहादुरपुर प्रखंडक प्रखंड विकास पदाधिकारी (बीडीओ) डॉ. आनंद कुमार विभूति पर आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक मामिला दर्ज केने अछि। विशेष न्यायालय निगरानी, पटना सं तलाशी वारंट प्राप्त भेलाक बाद मंगलदिन भोरहि-भोर हुनकर विभिन्न ठिकाना पर एकहि संग तलाशी अभियान शुरू कएल गेल।
कानूनी धारा मे मामिला दर्ज
आधिकारिक जानकारीक अनुसार, बीडीओ आनंद कुमार विभूतिक विरुद्ध आर्थिक अपराध इकाइ थाना कांड संख्या 21/26 दर्ज कएल गेल अछि। मामिला 7 सितंबर 2026 कें भ्रष्टाचार निवारण अधिनियमक धारा 13(2), 13(1)(बी) आ भारतीय दंड संहिताक प्रासंगिक धाराक अंतर्गत दर्ज भेल अछि। प्रारंभिक साक्ष्यक सत्यापनक बाद न्यायालय सं तलाशी वारंट जारी कएल गेल छल।
आय सं 121 प्रतिशत बेसी संपत्ति
जांचक क्रम मे ईओयू कें बीडीओक वैध आयक तुलना मे बहुत बेसी संपत्ति अर्जित करबाक साक्ष्य भेटल अछि। विभागक अनुसार, हुनकर वैध आमदनीक आधार पर कुल 1 करोड़ 71 लाख 84 हजार रुपैयाक आयक आकलन कएल गेल छल। मुदा हुनकर लग वैध स्रोतक तुलना मे करीब 121.87 प्रतिशत बेसी अनुपातहीन संपत्ति पाओल गेल अछि।
मुजफ्फरपुरक आवास पर छापा, बीडीओ फरार
विशेष न्यायालयक आदेशक बाद पुलिस उपाधीक्षक स्तरक अधिकारीक नेतृत्व मे छापामारी शुरू भेल। ईओयूक आठ सदस्यीय टीम मुजफ्फरपुरक अहियापुर थाना क्षेत्रक सरस्वती नगर, जमकपुरी मोहल्ला स्थित बीडीओक निजी आवास पर पहुंचल। मुदा जांच टीमक पहुंचिते डॉ. आनंद कुमार विभूति चकमा दैत फरार भए गेलाह। ओहि समय हुनकर पत्नी घर मे उपस्थित छलीह।
पांच ठिकाना पर एकहि संग तलाशी
ईओयूक अलग-अलग टीम आरोपी बीडीओक पांच ठिकाना पर एकहि संग छानबीन कए रहल अछि। एहि मे पूर्वी चंपारणक चिरैया स्थित लालबेगियाक पैतृक आवास, पटना जिलाक दानापुर स्थित साईं विहार अपार्टमेंटक फ्लैट संख्या 305 शामिल अछि। एकर अतिरिक्त दरभंगाक बहादुरपुर स्थित हुनकर सरकारी कार्यालय आ सरकारी आवास पर सेहो जांच टीम दस्तावेज आ अन्य साक्ष्यक खोजबीन मे जुटल अछि।
दू मास पहिने भेल छल स्थानांतरण
छापामारीक खबरि सं बीडीओक आवासक लगपासक क्षेत्र मे हड़कंप मचि गेल अछि। एहि मामिलाक एकटा महत्वपूर्ण तथ्य इहो अछि जे डॉ. आनंद कुमार विभूति करीब दू मास पहिने मुजफ्फरपुर जिलाक कांटी प्रखंड सं स्थानांतरित भए दरभंगाक बहादुरपुर प्रखंड मे बीडीओक पद पर पदस्थापित भेल छलाह।
दस्तावेज आ अन्य सामग्रीक गहन जांच
अखन ईओयूक टीम सभ ठिकाना पर घरक कोना-कोना मे तलाशी लए रहल अछि। अधिकारी सभ कें भेटल महत्वपूर्ण दस्तावेज, बैंक खाता, जमीनक पेपर आ अन्य दामी समानक बारीकी सं जांच-पड़ताल कएलक। आर्थिक अपराध इकाइक कहब अछि जे तलाशी आ जांचक प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद मामिला सं जुड़ल विस्तृत आधिकारिक जानकारी जारी कएल जाएत।