पीएम मोदीक जेन-जी सं संवाद, धुरंधरक गान पर भेल प्रवेश
पीएम मोदीक जेन-जी सं संवाद, धुरंधरक गान पर भेल प्रवेश, कहलनि –
लोक अहां सभ कें झूठक गूंज सं भरमाओत, मुदा अहां सत्यक संग ठाढ़ रही
- अगिला वर्ष सात राज्य मे चुनाव, यूपी मे सभ सं बेसी जेन-जी मतदाता
बडोदरा, एजेंसी
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी वडोदरा मे जेन-जी युवा सभ सं करीब 25 मिनट धरि संवाद कएलनि। कार्यक्रम मे लगभग 6 हजार युवा कें बजाओल गेल छल। प्रधानमंत्री युवा सभ सं झूठ दावा आ भ्रामक बात सं सावधान रहबाक अपील कएलनि। पीएम मोदी कहलनि जे लोक अहां सभ कें झूठक गूंज सं भरमेबाक प्रयास करत, मुदा अहां सभ सत्यक संग ठाढ़ रहू। प्रधानमंत्रीक एहि बयान कें राहुल गांधी आ कांग्रेसक छात्रसभक गूंज अभियान पर व्यंग्यक रूप मे देखल जा रहल अछि।
कार्यक्रम लेल विशेष रूप सं वाई आकारक रैंप बनाओल गेल छल। भाषण सं पहिने पीएम मोदी रैंप पर चलैत युवा सभक बीच पहुंचलाह। मंच पर पहुंचिते क्वीनक प्रसिद्ध गान वी विल रॉक यू बजाओल गेल। तकर बाद धुरंधर फिल्मक गान आरी आरी सेहो बजाओल गेल। जंतर-मंतर पर भेल विरोध-प्रदर्शनक बाद भारतीय जनता पार्टीक पूरा ध्यान जेन-जी मतदाता सभ पर केंद्रित देखाइत अछि। वस्तुतः अगिला वर्ष सात राज्य मे विधानसभा चुनाव होमय बला अछि। एहि राज्य सभ मे कुल मतदाताक करीब 22.78 प्रतिशत जेन-जी पीढ़ीक अछि। उत्तर प्रदेश मे जेन-जी मतदाताक संख्या सभ सं बेसी करीब 2.8 करोड़ अछि। एहि कारणें सभ राजनीतिक दल युवा मतदाता सभ कें अपन दिस आकर्षित करबाक प्रयास मे जुटल अछि।
फ्रेट कॉरिडोर पर ‘नाराज फूफाजी’ बला व्यंग्य
प्रधानमंत्री डेडिकेटेड फ्रेट कॉरिडोरक उपलब्धिक चर्चा करैत कहलनि जे जवाहरलाल नेहरू पोर्ट ट्रस्ट सं मुंबइक डबल कंटेनर मालगाड़ी चलला सं एक बेर मे 250 सं बेसी ट्रकक बराबर माल मुंबई सं वडोदरा पहुंचाओल गेल। ओ कहलनि जे आब बिगड़ल फूफाजी पूछताह जे ट्रक चालक सभक की होयत, मुदा देशक एक कोन सं दोसर कोन धरि माल पहुंचाबय लेल एहि तरहक सुदृढ़ संपर्क व्यवस्था आवश्यक अछि।
दू हजार किलोमीटर फ्रेट कॉरिडोरक काज पूरा
पीएम मोदी कहलनि जे डेडिकेटेड फ्रेट कॉरिडोरक विचार 2004 मे शुरू भेल छल आ 2006 मे एकरा लेल विशेष कंपनी गठित कएल गेल छल। मुदा 2014 धरि मात्र फाइल एकटा टेबुल सं दोसर टेबुल धरि जाइत रहल। 2014क बाद सरकार एहि परियोजना कें गति देलक आ करीब दू हजार किलोमीटर फ्रेट कॉरिडोरक निर्माणक काज पूरा कएल गेल।
यात्री आ मालगाड़ीक लेल अलग-अलग पटरी
पहिने यात्री आ मालगाड़ी एकहि पटरी पर चलैत छल, जाहि कारण दुनूक गति प्रभावित होइत छल। आब डेडिकेटेड फ्रेट कॉरिडोर पर प्रतिदिन करीब 430 मालगाड़ी चलि रहल अछि। ट्रक सं माल पठेबा मे करीब 30 घंटा लगैत अछि, जखन कि फ्रेट कॉरिडोरक माध्यम सं करीब 10 घंटा मे माल पहुंचाओल जा सकैत अछि।
एआइ कें सुपरपावर बनेबाक लेल पूरा तंत्र जरूरी
प्रधानमंत्री कहलनि जे भारत कें एआइक सुपरपावर बनेबाक लेल पूरा पारिस्थितिक तंत्र तैयार करबाक आवश्यकता अछि। एहि लेल यूरेनियम आ दुर्लभ खनिज पदार्थक उपलब्धता बढ़ेबाक संग युवासभक कौशल प्रशिक्षण आ कौशल उन्नयन पर सेहो जोर देल जा रहल अछि। हुनकर कहब छल जे आब मात्र डिग्री नहि, बल्कि कौशल पर विशेष ध्यान देल जा रहल अछि।