Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगा मे आब हर 10 किलोमीटर पर खुजत सरकारी बैंक शाखा, गाम धरि पहुंचत बैंकिंग सुविधा

Avatar
By Samadiya Mithila
September 10, 2026 2 Min Read
0

 

दरभंगा। सांसद सह लोकसभा मे भाजपा सचेतक डॉ. गोपालजी ठाकुर कहलनि जे दरभंगा जिलामे हर 10 किलोमीटर पर सरकारी बैंकक शाखा खोलल जायत। जनकल्याणकारी योजना सभ केँ सफल बनाबय लेल गाम स्तर पर बैंक सभ द्वारा शिविर सेहो लगाओल जायत।

पीएम किसान सम्मान निधि योजना, मखाना किसान सभ केँ खेती आ प्रसंस्करण लेल केंद्र सरकार द्वारा देल जा रहल वित्तीय सहायता, स्वनिधि योजना, मुद्रा योजना जकाँ जनकल्याणकारी आ गरीब हितैषी योजना सभ मे उदासीनता आ लापरवाही बरतय बला बैंक सभ केँ चिह्नित कए कार्रवाई लेल लिखल जायत।

ओ गुरुवार केँ समाहरणालयक डॉ. भीमराव आंबेडकर सभागार मे आयोजित जिला स्तरीय बैंकिंग समीक्षा समिति केर बैठक मे उपस्थित जिला प्रशासन आ विभिन्न बैंकक वरिष्ठ अधिकारी सभ केँ संबोधित करैत छलाह।

बैठकक अध्यक्षता उप विकास आयुक्त स्वप्निल कएलनि। बैठक मे दरभंगा जिलाक बैंकिंग व्यवस्था, ऋण प्रवाह आ जनहित सँ जुड़ल विभिन्न महत्वपूर्ण विषय पर चर्चा भेल।

बैंकिंग अधिकारी सभ सँ सरकारी प्रायोजित योजना सभक पात्र लाभुक धरि समय पर आ सरल तरीका सँ बैंक ऋण पहुँचाबय पर जोर देल गेल। सांसद कहलनि जे सरकारी योजना अंतर्गत ऋण लेल आवेदन करय बला पात्र लोक केँ अनावश्यक देरी अथवा प्रक्रियागत कठिनाइक सामना नहि करय पड़य। बैंक आ जिला प्रशासनक बीच बेहतर समन्वयक संग लंबित मामलाक समय पर निष्पादन सुनिश्चित कएल जाय, जाहि सँ सरकारक योजना सभक लाभ शत-प्रतिशत लाभुक धरि पहुँचि सकय।

ओ दरभंगाक बढ़ैत आर्थिक क्षमता केँ देखैत बैंकिंग क्षेत्र केँ केवल जमा आ ऋण धरि सीमित नहि रखबाक, बल्कि स्थानीय रोजगार, उद्यमिता आ आत्मनिर्भरता केर मजबूत आधार बनाबय दिस काज करबाक निर्देश देलनि।

264 सरकारी बैंक शाखा, 235 एटीएम आ 1751 ग्राहक सेवा केंद्र

सांसद जिलामे सरकारी बैंकक शाखाक संख्या केँ अपर्याप्त बतओलनि। ओ कहलनि जे वर्तमान मे सरकारी बैंकक 264टा शाखा अछि, जखनकि 235टा एटीएम आ 1751टा ग्राहक सेवा केंद्र कार्यरत अछि। जिलाक जनसंख्याक हिसाब सँ ई संख्या पर्याप्त नहि अछि।

ओ कहलनि जे जिलामे हर 10 किलोमीटरक दूरी पर एकटा सरकारी बैंकक शाखा खोलबाक लेल स्थान चिह्नित कए पहल शुरू कएल जायत।

बैठक मे एलडीएम, नाबार्डक जिला प्रबंधक, जिला कृषि पदाधिकारीक संग सभ बैंकक अधिकारी आ प्रतिनिधि उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

एसपीक सेवा संवाद-समाधान मे सुनल गेल आम लोकक शिकायत

Next

एकहि सड़क पर दू योजनाक दावा, मुखिया आ पंसस मे भिड़ंत

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech