एसपीक सेवा संवाद-समाधान मे सुनल गेल आम लोकक शिकायत
सीधा संवाद, त्वरित समाधानक मे शिकायत पर अधिकारी कें देलनि निर्देश
सहरसा, समदिया
आम नागरिकक समस्या आ शिकायतक त्वरित एवं प्रभावकारी समाधानक उद्देश्य सं पुलिस अधीक्षक विक्रम सिंहाहक दिस सं सेवा संवाद-समाधान मे सीधा संवाद, त्वरित समाधान कार्यक्रमक आयोजन कयल गेल। कार्यक्रमक दौरान जिलाक विभिन्न थाना आ ओपी क्षेत्र सं पहुंचल आम लोक पुलिस अधीक्षकक समक्ष अपन-अपन समस्या आ शिकायत रखलनि। पुलिस अधीक्षक फरियाद लए कए पहुंचल लोकक शिकायत कें गंभीरता आ संवेदनशीलताक संग सुनलनि। ओ संबंधित मामिलाक जानकारी लैत मौके पर उपस्थित पुलिस पदाधिकारी सभ सं आवश्यक कारबाइक संबंध मे विचार-विमर्श केलनि। एकर बाद संबंधित पदाधिकारी सभ कें शिकायतक त्वरित निष्पादन आ प्रभावकारी समाधान लेल आवश्यक दिशा-निर्देश देलनि।
एसपी अधिकारी सभ कें निर्देश देलनि जे आम लोकक शिकायत कें प्राथमिकताक आधार पर सुनल जाय आ नियमानुसार ओकर शीघ्र समाधान सुनिश्चित कयल जाय। ओ कहलनि जे पुलिसक मुख्य उद्देश्य आम नागरिक कें सुरक्षित वातावरण उपलब्ध करेनाइक संग-संग हुनकर समस्याक निष्पक्ष आ समयबद्ध ढंग सं समाधान करेनाइ अछि। कार्यक्रम मे जिलाक विभिन्न थाना आ ओपी क्षेत्र सं आयल लोक कें सीधे पुलिस अधीक्षकक समक्ष अपन बात रखबाक अवसर भेटल। एहि सं लोक मे अपन समस्याक समाधान कें लए भरोसा सेहो बढ़ल। पुलिस प्रशासनक दिस सं एहन कार्यक्रमक माध्यम सं आम लोक आ पुलिसक बीच सीधा संवाद स्थापित करबाक तथा शिकायतक त्वरित निपटारा पर जोर देल जा रहल अछि।