एकहि सड़क पर दू योजनाक दावा, मुखिया आ पंसस मे भिड़ंत
शिकायतक बाद बीडीओ निर्माण काज पर लगौलनि रोक, जांच धरि काज बंद
झंझारपुर, समदिया
प्रखंडक लोहना उत्तर पंचायतक वार्ड-11 मे फसल सुरक्षात्मक तटबंध सह सड़क निर्माण कें लए पंचायतक राजनीति गरमा गेल अछि। एकहि सड़क पर दू अलग-अलग योजनाक दावा करैत मुखिया आ पंचायत समिति सदस्य आमने-सामने आबि गेल छथि। विवादक शिकायत भेटलाक बाद बीडीओ पंकज कुमार दीक्षित फिलहाल निर्माण काज पर रोक लगौलनि अछि। जांच पूरा नहि होय धरि काज बंद रखबाक निर्देश देल गेल अछि। सड़क निर्माण स्थल पर पैघ संख्या मे स्थानीय लोक आ महिला सभ जुटि गेलीह। महिला सभ सड़क निर्माण रोकल गेलाक विरोध मे आक्रोश व्यक्त करैत प्रदर्शन केलनि। ग्रामीण सभक कहब छल जे आपसी विवादक कारण जनहितक काज बाधित नहि होयबाक चाही। प्रशासन कें शीघ्र निष्पक्ष जांच कए निर्माण काज फेर शुरू करबाक चाही। पंचायत समिति सदस्य मीरा देवी जिलाधिकारी, मधुबनी, उप विकास आयुक्त, बीडीओ, झंझारपुर सहित अन्य अधिकारी सभ कें आवेदन दए मुखिया पर निर्माण काज रोकबाक आ मारपीटक आरोप लगौलनि। आवेदन मे कहल गेल अछि जे नुनुजी मिश्रा केर खेत सं अमरनाथ केर खेत धरि फसल सुरक्षात्मक तटबंधक योजना मनरेगा सं स्वीकृत अछि, जाहि लेल अंचल कार्यालय सं एनओसी सेहो लेल जा चुकल अछि। निर्माण काज चलिये रहल छल, तखने मंगल कें मुखिया अशोक कुमार झा उर्फ लड्डू अपन भाय संतोष कुमार झा आ अन्य लोकक संग स्थल पर पहुंचि करीब 100 फीट भाग मे जबरन पीसीसी ढलाई कराबय लगलाह। विरोध करबाक क्रम मे माइरपीट करबाक आरोप सेहो लगाओल गेल अछि। हालांकि एहि आरोपक स्वतंत्र पुष्टि नहि भेल अछि। पंसस पक्षक कहब अछि जे मनरेगा योजना पहिनहि सं स्वीकृत भए काज लेल खुलल अछि आ करीब 84 हजार रुपैयाक मजदूरी भुगतानक प्रक्रिया सेहो शुरू भए गेल अछि। एहन स्थिति मे ओहि सड़क पर दोसर योजना सं निर्माण करबाक कोनो औचित्य नहि अछि।
ओम्हर मुखिया अशोक कुमार झा सभ आरोप कें खारिज कयलनि। हुनकर कहब अछि जे पंचायत सं एनओसी लेने बिना मनरेगा सं निर्माण काज कराओल जा रहल छल। हुनका अनुसार एहि सड़क लेल 15म वित्त आयोग योजनाक अंतर्गत पहिनहि योजना स्वीकृत कए खोलल जा चुकल अछि आ ओही योजनाक अंतर्गत काज शुरू कराओल गेल अछि। ओ एकहि सड़क पर मनरेगा सं दोबारा योजना चलाओल जाय पर सेहो सवाल उठौलनि। बीडीओ पंकज कुमार दीक्षित कहलनि जे मामिलाक शिकायत डीडीसी, मधुबनीक स्तर पर सेहो कयल गेल अछि। हुनकर निर्देश पर फिलहाल निर्माण काज रोकल गेल अछि। जांच लेल टीम गठित कयल जाएत आ जांच प्रतिवेदनक आधार पर आगू निर्माण काजक संबंध मे निर्णय लेल जाएत।