Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

ईओ हत्याकांडक जांच सीबीआई सं कराबयक मांग

Avatar
By Samadiya Mithila
August 4, 2026 2 Min Read
0

 

दानापुर मे पूर्णिया सांसद पप्पू यादव परिजन सभ सं भेंट केलाह

2 करोड़ मुआवजा देबाक मांग

 

दानापुर। डेहरी-डालमियानगर नगर परिषदक कार्यपालक पदाधिकारी (ईओ) विमल कुमारक हत्या प्रकरणक बाद पूर्णिया सांसद पप्पू यादव मंगल भोर दानापुरक गोला रोड टी-प्वाइंट स्थित गंगा कुटीर अपार्टमेंट पहुंचलाह। ओ मृतकक परिजन सभ सं भेट कए शोक संवेदना व्यक्त कएलनि आ मृतकक पत्नी कें न्याय दिलाबएक भरोसा देलनि।

पप्पू यादव एहि हत्याकांडक जांच सीबीआई सं कराबएक मांग कएलनि। संगहि मृतकक आश्रित सभ कें 2 करोड़ मुआवजा देबाक आ मृतकक पत्नी कें सरकारी नौकरी मे क्लर्क पद पर नियुक्ति देबाक मांग सेहो राखलनि।

ड्राइवरक नारकोटिक जांच कराबयक मांग

सांसद गिरफ्तार ड्राइवरक नारकोटिक जांच कराबएक आ घटनास्थल पर घटना समय कतेक मोबाइल सक्रिय छल, एकर विस्तृत जांच कराबएक मांग कएलनि। प्रशासन द्वारा ड्राइवर कें हत्यारा बताओल जाए पर प्रश्न उठबैत ओ कहलनि जे गोली आ पिस्टल बिना एक व्यक्ति एतेक क्रूरतापूर्वक हत्या केना कए सकैत अछि। हुनकर अनुसार ई सुनियोजित हत्या प्रतीत होइत अछि।

सदन मे मुद्दा उठाबैक घोषणा

पप्पू यादव कहलनि जे मृतकक परिजन सभक कहब अछि जे ओ आब बिहार मे नहि रहए चाहैत छथि। ओ बिहार कें माफिया, अपराधी आ लुटेरा सभक गढ़ कहैत आरोप लगौलनि जे एतय आम नागरिक लेल सुरक्षित वातावरण नहि अछि।

ओ कहलनि जे जखन स्थानीय विधायक एहि मुद्दा पर पहिने सं आवाज उठौने छलाह, तखन सरकार आवश्यक कारबाइ किएक नहि कएलक। सांसदक अनुसार मृतकक पत्नी स्पष्ट रूप सं कहने छथि जे हुनक पति केर हत्या मात्र एक व्यक्ति नहि केने अछि।

पप्पू यादव आश्वासन देलनि जे ओ एहि मामिला कें संसद मे उठाएताह आ निष्पक्ष जांच सुनिश्चित कराबए लेल प्रयास करताह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

महिला टी20: पाकिस्तान 4 विकेट सं जीतल तेसर मोकाबला, श्रीलंका 2-1 सं जीतलक श्रृंखला

Next

नीतीश रहितथि तं बांकीपुर मे हारि नहि भेटैत : अनंत सिंह

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • अजगैबीनाथ : जतय शिव-संकल्प आकार ग्रहण करैत अछि
  • पटना मे छात्र सभक प्रदर्शन, तोड़ल गेल बैरिकेडिंग, वाटर कैनन पर नाचय लागल युवा  
  • नीतीश रहितथि तं बांकीपुर मे हारि नहि भेटैत : अनंत सिंह
  • ईओ हत्याकांडक जांच सीबीआई सं कराबयक मांग
  • महिला टी20: पाकिस्तान 4 विकेट सं जीतल तेसर मोकाबला, श्रीलंका 2-1 सं जीतलक श्रृंखला

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • अजगैबीनाथ : जतय शिव-संकल्प आकार ग्रहण करैत अछि
  • पटना मे छात्र सभक प्रदर्शन, तोड़ल गेल बैरिकेडिंग, वाटर कैनन पर नाचय लागल युवा  
  • नीतीश रहितथि तं बांकीपुर मे हारि नहि भेटैत : अनंत सिंह
  • ईओ हत्याकांडक जांच सीबीआई सं कराबयक मांग
  • महिला टी20: पाकिस्तान 4 विकेट सं जीतल तेसर मोकाबला, श्रीलंका 2-1 सं जीतलक श्रृंखला

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech