Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

खेल

महिला टी20: पाकिस्तान 4 विकेट सं जीतल तेसर मोकाबला, श्रीलंका 2-1 सं जीतलक श्रृंखला

Avatar
By Samadiya Mithila
August 4, 2026 2 Min Read
0

 

 

 

श्रीलंका महिला क्रिकेट टीम विरुद्ध मंगल कें खेलल गेल तेसर टी20 मोकाबला मे पाकिस्तान 4 विकेट सं जीत दर्ज कएलक। शुरुआती दूनू मोकाबला हारि पहिने सं श्रृंखला गंमा चुकल पाकिस्तान लेल ई जीत आत्मविश्वास बढ़ेबला मानल जा रहल अछि। श्रीलंका 2-1 सं श्रृंखला अपन नाम कएलक।

रंगिरी दांबुला इंटरनेशनल स्टेडियम मे खेलल गेल मोकाबला मे पाकिस्तान टॉस जीतिकए पहिने गेंदबाजी करबाक निर्णय लेलक। पहिने बल्लेबाजी करैत श्रीलंका 6 विकेट पर 113 रन बना सकल।

श्रीलंकाक दिस सं कप्तान चमारी अथापथु सर्वाधिक 34 रन बनौलनि। 33 गेंदक पारी मे ओ 5 चौका लगौलनि। एकरा अतिरिक्त संजाना काविंदी 20 रन आ इमेशा दुलानी 17 रनक योगदान देलनि।

पाकिस्तानक दिस सं मोमिमा रियासत 2 विकेट लेलीह। उ मे हानी, नशरा संधू, तुबा हसन आ आएशा जफर सभ 1-1 विकेट प्राप्त कएलनि।

114 रनक लक्ष्यक पीछा करैत पाकिस्तान 18.2 ओवर मे 6 विकेट गमाकए जीत हासिल कएलक। पाकिस्तानक दिस सं चारिम स्थान पर बल्लेबाजी करए आएल आएशा जफर सर्वाधिक 39 रन बनौलनि। 31 गेंदक पारी मे ओ 6 चौका लगौलनि। कप्तान मुनीबा अली 19 रन, शावल जुल्फिकार 21 रन आ सायरा जबीन नाबाद 12 रन बनौलनि।

श्रीलंकाक गेंदबाजी मे कप्तान चमारी अथापथु 4 ओवर मे 20 रन दए 2 विकेट लेलीह। कविशा दिल्हाड़ी सेहो 4 ओवर मे 24 रन दए 2 विकेट प्राप्त कएलनि। निमाशा मीपागे कें 1 विकेट भेटल।

पाकिस्तानक आएशा जफर कें 39 रनक मैच जिताबए बला पारी आ 1 विकेट लेल प्लेयर ऑफ द मैच चुनल गेल। जखनकि श्रृंखला मे कुल 123 रन बनेनिहार श्रीलंकाक इमेशा दुलानी कें प्लेयर ऑफ द सीरीज घोषित कएल गेल।

श्रीलंका पहिल आ दोसर टी20 मोकाबला 6-6 विकेट सं जीतिकए तीन मैचक टी20 श्रृंखला 2-1 सं अपन नाम कएलक।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आईसीसी महिला टी20 रैंकिंग: श्रीलंकाक कप्तान अथापथु आ बल्लेबाज दुलानी कें पैघ लाभ

Next

ईओ हत्याकांडक जांच सीबीआई सं कराबयक मांग

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण
  • गणेश चतुर्थी पर 151 कलशक यात्रा, वैदिक मंत्रोच्चार सं गूंजल रोसड़ा
  • ’50 लाख तैयार राखू… नहि तं सभ गोली शरीर मे उतारि देब…’

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण
  • गणेश चतुर्थी पर 151 कलशक यात्रा, वैदिक मंत्रोच्चार सं गूंजल रोसड़ा
  • ’50 लाख तैयार राखू… नहि तं सभ गोली शरीर मे उतारि देब…’

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech