संभावित जल संकट सं निपटबाक लेल सभ विभाग पूरा तत्परता सं काज करय : डीएम
सीतामढ़ी, समदिया
कम वर्षाक कारण संभावित जल संकटक स्थिति कें देखैत जिलाधिकारी तनय सुल्तानियाक अध्यक्षता मे विमर्श सभा कक्ष मे लोक स्वास्थ्य प्रमंडल, सीतामढ़ीद्वारा संचालित पेयजलापूर्ति योजनाक विस्तृत समीक्षा बैसार आयोजित कएल गेल। बैसार मे जिलाक पेयजल उपलब्धता, हर घर नल का जल योजनाक वर्तमान स्थिति, भू-जल स्तरक स्थिति आ वैकल्पिक पेयजल व्यवस्थाक समीक्षा कएल गेल। बैसार मे जिलाधिकारी स्पष्ट निर्देश देलनि जे अनुरक्षक सभक लंबित भुगतान शीघ्र करबैत सभ बंद पड़ल नल-जल योजना कें चालू करेनाइ सुनिश्चित कएल जाय। सभ बीडीओ आ सभ बीपीआरओ अगिला बैसार सं पहिने चालू आ बंद पड़ल योजना सभक अद्यतन स्थिति सं संबंधित प्रतिवेदन उपलब्ध कराओत। सभ बीडीओ अपन-अपन प्रखंड मे नियंत्रण कक्ष संचालित करब सुनिश्चित करथि आ स्थानीय स्तर पर एकर व्यापक प्रचार-प्रसार करथि। बैसार मे उपस्थित पीएचईडी कें विद्युत विभाग आ अन्य विभाग सभ सं समन्वय स्थापित कए एहि दिशा मे काज करबाक निर्देश देल गेल।
विभिन्न कार्यकारी एजेंसी सभ कें निर्देश देल गेल जे जे टोल सभ मे नल-जल योजना आबि धरि चालू नहि भए सकल अछि, ओतय काज मे गति आनि योजना कें पूरा करथि। एहि काज मे कोनो प्रकारक शिथिलता अथवा धीमी गति भेटलापर संबंधित एजेंसीक विरुद्ध कड़ा कारबाइ कएल जायत। जिलाधिकारी काज मे लापरवाही अथवा शिथिलता बरतय बला एजेंसीक विरुद्ध अनुशासनात्मक कारबाइ करबाक सेहो कहलनि। जिलाधिकारी तनय सुल्तानिया स्पष्ट कहलनि जे जिलाक कोनो गाम अथवा टोल मे पेयजल संकट उत्पन्न नहि होमय देल जाय। सभ संबंधित विभाग आपसी समन्वयक संग त्वरित कारबाइ सुनिश्चित करथि।
जिलाधिकारी छूटल टोल सभ मे हर घर नल का जल योजनाक निर्माण काज मे तेजी अनबाक तथा पंचायत राज विभाग सं हस्तांतरित योजना सभक नियमित मरम्मत आ रखरखाव लेल प्रत्येक पंचायत मे मरम्मत दलक उपलब्धता सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि। एकर अतिरिक्त जिलाधिकारी निर्देश देलनि जे सभ पेयजल योजनाक प्रतिदिन भौतिक निरीक्षण कएल जाय आ खराब मोटर, पाइपलाइन, वाल्व अथवा विद्युत संबंधी खराबीक 24 घंटाक भीतर निराकरण सुनिश्चित कएल जाय।
बैसार मे उप विकास आयुक्त श्वेता भारती, अपर समाहर्ता, आपदा प्रबंधन बृजकिशोर पांडेय, डीपीआरओ कमल सिंह, कार्यपालक अभियंता पीएचईडी, सभ कनीय अभियंता पीएचईडी आ सभ कार्यकारी एजेंसीक प्रतिनिधि उपस्थित छलाह।