Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

आरक्षणक मुद्दा पर एनडीए मे घमासान, चिराग मंगलनि मांझीक इस्तीफा

Avatar
By Samadiya Mithila
August 29, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • दलित आरक्षण मे क्रीमी लेयरक सवाल पर भिड़लाह दुनू नेता

फोटो : चिराग

पटना, समदिया

एनडीए मे दलित आरक्षण मे क्रीमी लेयरक मुद्दा पर विवाद बढ़ि गेल अछि। केंद्रीय मंत्री चिराग पासवान नरेंद्र मोदीक मंत्रिमंडल मे अपन सहयोगी जीतनराम मांझीक इस्तीफाक मांग कएलनि। ओ मांझीक बेटा आ बिहार सरकारक मंत्री संतोष सुमन कें सेहो पद छोड़बाक लेल कहलनि। लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास)क राष्ट्रीय अध्यक्ष चिराग पासवान शनिदिन कहलनि जे हिंदुस्तान आवामी मोर्चाक सुप्रीमो जीतनराम मांझी जं दलित आरक्षण मे उप-वर्गीकरणक बात कए रहल छथि तं पहिने हुनका स्वयं आ हुनकर बेटा कें मंत्री पद सं इस्तीफा देबाक चाही।

पटना मे पत्रकार सभ सं बातचीत करैत चिराग कहलनि जे अनुसूचित वर्गक सभ जाति एकजुट अछि, तखने ओकर शक्ति बनल अछि। जं एहि मे बंटवारा भेल तं आरक्षण समाप्त भए सकैत अछि। ओ कहलनि जे जखन दलित आ महादलितक बीच बंटवारा करबाक प्रयास भेल छल, तखन सेहो ओ एहि डेगक विरोध केने छलाह। लोजपा (रामविलास) दलित आरक्षण मे उप-कोटाक प्रबल विरोध करैत अछि।

चिराग एससी आरक्षण मे क्रीमी लेयरक व्यवस्था कें संविधानक विरुद्ध बतौलनि। हुनकर कहब अछि जे दलित सभ कें सामाजिक भेदभाव आ छुआछूतक आधार पर आरक्षण देल गेल अछि। संविधान मे कतहु ई नहि लिखल अछि जे ई आरक्षण आर्थिक आधार पर होयबाक चाही।

बाक्स

चिराग छोट भाइ, पहिने देथि इस्तीफा  :  संतोष मांझी

बिहार सरकारक मंत्री आ हिंदुस्तानी आवाम मोर्चा (हम) केर राष्ट्रीय अध्यक्ष संतोष कुमार सुमन उर्फ संतोष मांझी केंद्रीय मंत्री चिराग पासवान कें अपन छोट भाइ बतबैत कहलनि जे पहिने ओ अपन मंत्री पद सं इस्तीफा देथि। हुनका अनुसार एससी-एसटी आरक्षण मे क्रीमी लेयरक बात नहि भए रहल अछि, बल्कि कोटाक भीतर कोटा अर्थात सब-कोटा लागू करबाक बात अछि। संतोष कहलनि जे क्रीमी लेयर आ कोटाक भीतर कोटा दुनू अलग अवधारणा अछि।

संतोष मांझी शनिदिन सोशल मीडिया पर लिखल पोस्ट मे चिराग पासवान पर निशाना साधैत कहलनि जे हुनकर पार्टीक संख्याबल बेसी अछि, तें इस्तीफाक शुरुआत सेहो वएह करथि। ओ कहलनि जे चिराग इस्तीफा देथि, तं ओहो हुनका संग इस्तीफा देबाक लेल तैयार छथि। एहि सं पहिने चिराग पासवान जीतनराम मांझी आ संतोष मांझीक इस्तीफाक मांग केने छलाह।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

बिहार राजनीतिबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

संभावित जल संकट सं निपटबाक लेल सभ विभाग पूरा तत्परता सं काज करय : डीएम

Next

चारू कात लहास, टूटि रहल अछि आस…

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech