Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

फरक्का बराज पर जदयू केर हल्ला बोल, 5 सितंबर सं बक्सर मे ‘नीतीश संवाद’क शंखनाद; 12 जिलामे होयत कार्यक्रम

Avatar
By Samadiya Mithila
August 31, 2026 2 Min Read
0

पटना। फरक्का बराज आ फरक्का जल संधि केर मुद्दा पर जदयू पांच सितंबर सं ‘नीतीश संवाद’ कार्यक्रमक पहिल चरणक शुरुआत करत। एहि अंतर्गत पार्टीक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय कुमार झा आ प्रदेश अध्यक्ष उमेश सिंह कुशवाहा संयुक्त रूप सं संवाद करताह।

गंगा कात बसल 12 जिला मे होयत ‘नीतीश संवाद’

जदयू प्रदेश अध्यक्ष उमेश सिंह कुशवाहा कहलनि जे गंगा किनार बसल बिहारक सभ 12 जिलामे चरणबद्ध ढंग सं संवाद कार्यक्रम आयोजित कएल जायत। पहिल चरण मे चारि जिलामे कार्यक्रम होयत, जाहिक शुरुआत बक्सर सं होयत।

ओ कहलनि जे संवादक माध्यम सं फरक्का बराज आ फरक्का जल संधि सं बिहार पर पड़ि रहल नकारात्मक प्रभाव, संगहि आम लोकक समस्या आ चिंता पर विस्तार सं विचार-विमर्श कएल जायत। बिहार पछिला 30 वर्ष सं फरक्का बराज आ फरक्का जल संधिक भारी कीमत चुकबैत रहल अछि।

बिहारक जल हित लेल आवाज उठबैत रहल छथि नीतीश कुमार

उमेश कुशवाहा कहलनि जे नीतीश कुमार बहुत पहिने सं फरक्का कें कारण बिहार कें भ’ रहल नुकसान आ बिहारक जल हितक मुद्दा पर लगातार आवाज उठबैत रहल छथि। ओ सभ मंच पर बिहारक हित कें मजबूती सं रखबाक संग फरक्का बराजक दुष्प्रभाव सं बिहार कें मुक्ति दियाबयक मांग करैत रहल छथि।

गंगा मे गादि जमा भेला सं बढ़ल बाढ़िक समस्या

जदयू प्रदेश अध्यक्ष कहलनि जे फरक्का बराजक कारण गंगा मे भारी मात्रा मे गाद जमा होइत अछि। एहि कारण नदीक गहराइ आ जलधारण क्षमता प्रभावित भेल अछि। एकर परिणामस्वरूप बिहार कें प्रत्येक वर्ष बाढ़िक त्रासदी झेलय पड़ैत अछि। एहि सं किसानक फसल नष्ट होइत अछि आ खेती-किसानी पर प्रतिकूल प्रभाव पड़ैत अछि।

ओ कहलनि जे फरक्का केर मुद्दा बिहारक जल, कृषि आ भविष्य सं जुड़ल गंभीर विषय अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

उमेश सिंह कुशवाहाजदयू कार्यक्रमनीतीश संवादफरक्का जल संधिफरक्का बराज जदयूफरक्का बराज विवादबक्सर नीतीश संवादबिहार गंगा बाढ़िबिहारक जल हितसंजय कुमार झा
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जं कोइ दोषी पाओल गेलाह तं कड़ा सजा भेटतनि : चिराग पासवान

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech