जं कोइ दोषी पाओल गेलाह तं कड़ा सजा भेटतनि : चिराग पासवान
- चिराग कहलनि, होटल कांडक सरकार कराबय निष्पक्ष जांच
-
संजय सिंह तेजप्रताप कें पठौलनि 50 करोड़क मानहानिक नोटिस
पटना, समदिया
बिहार सरकारक पीएचईडी मंत्री आ महुआ सं लोजपा-रामविलासक विधायक संजय सिंह पर जेजेडी नेता तेज प्रताप यादव द्वारा लगाओल गेल आरोप कें लए कए पार्टी अध्यक्ष आ केंद्रीय मंत्री चिराग पासवान कहलनि जे हुनकर पार्टीक नेताक विरुद्ध लगाओल गेल आरोप गंभीर अछि। ओ कहलनि जे जं जांच मे आरोप सही पाओल गेल तं दोषी कें कड़ा सजा देल जाएत।
चिराग पासवान संजय सिंहक नाम नहि लैत कहलनि जे जं कोनो नेता दोषी पाओल गेलाह तं ओ ने पार्टी मे बचताह आ ने सरकार मे मंत्री रहताह। हुनका अनुसार, पार्टीक स्तर पर सेहो संबंधित नेता सं जवाब-तलब कएल गेल अछि। आरोप सत्य सिद्ध भेलापर कठोर कारबाइ कएल जाएत। ओतहि आरोप सं घेरायल मंत्री संजय सिंह तेज प्रताप यादव कें 50 करोड़ रुपैयाक मानहानिक नोटिस पठौने छथि। संगहि आरोप लगौनिहार लोक सं फोटो आ वीडियो सार्वजनिक करबाक चुनौती सेहो देलनि।
चिराग पासवान सोमदिन पटना मे पत्रकार सभ सं बात करैत कहलनि जे जं एहन काज हुनकर परिवारक कोनो सदस्य सेहो करताह तं ओ एकरा कोनो हालति मे सहन नहि करताह। ओ बिहार सरकार सं आग्रह कएलनि जे मामिलाक निष्पक्ष आ विस्तृत जांच कराओल जाए, जाहि सं सरकारक छवि पर कोनो प्रकारक दाग नहि लागय। चिराग होटल प्रबंधन आ कथित पीड़ित युवती सं सेहो आगू आबि अपन पक्ष रखबाक आग्रह कएलनि। ओ कहलनि जे मामिला मात्र आरोप-प्रत्यारोप धरि सीमित नहि रहबाक चाही, बल्कि सत्यता आ तथ्य सभ जनताक सोझां आबय।
दोषी भेलाह तं पद सं मुक्त, पार्टी सं बाहर
चिराग पासवान कहलनि जे जं जांच मे बिहार सरकारक मंत्री दोषी पाओल गेलाह तं हुनका पार्टी सं अलग करबाक संग कड़ा सजा दिलेबाक सेहो प्रयास कएल जाएत। ओ कहलनि जे हुनकर परिवारक कोनो सदस्य पर सेहो एहन आरोप लगैत अछि तं ओ आरोपितक संरक्षण नहि करताह। हुनका अनुसार, एकटा राजनीतिक दलक नेताक दिस सं हुनकर विधायक आ बिहार सरकारक मंत्रीक विरुद्ध नाम लए कए आरोप लगाओल गेल अछि। पार्टीक मंच पर सेहो संबंधित नेता सं जवाब मंगल गेल अछि। नेता दिस सं अपन पक्ष पार्टीक समक्ष राखल गेल अछि आ आरोप लगौनिहार तेज प्रताप यादवक विरुद्ध मानहानिक दावा कएल गेल अछि।