मात्र घर नहि, हजारो स्वप्न कें बहा लए गेल त्रिशूली नदी
सर्लाहीक पूर्व विधायक अशोक यादव प्रभावित क्षेत्रक दौरा कए ‘समदिया मिथिला’ कें बतौलनि ओहि ठामक पीड़ा
- कहलनि, एहन भयावह दृश्य अपन जीवन मे कहियो नहि देखने रही
कमर अख्तर, सीतामढ़ी
नेपालक नुवाकोट जिला मे हालहि आयल विनाशकारी बाढ़िक बाद तबाहीक भयावह तस्वीर सामने आबि रहल अछि। देवीघाट, ढुंगे बाजार, त्रिशूली सहित दर्जनो गाम मे बाढ़िक तेज धार आ मलबा सं जनजीवन अस्त-व्यस्त भए गेल अछि। कतेको परिवारक घर-दुआरि, दोकान आ रोजी-रोटीक साधन बाढ़िक धार मे बहि गेल अछि। बाढ़ि प्रभावित क्षेत्रक वास्तविक स्थिति देखबाक लेल सर्लाही जिलाक पूर्व विधायक अशोक यादव नुवाकोटक विभिन्न प्रभावित क्षेत्रक दौरा कएलनि। एहि दौरान ओ देवीघाट, ढुंगे बाजार, त्रिशूली सहित कतेको गाम मे पहुंचि पीड़ित परिवार सं भेंट कएलनि आ बाढ़ि सं भेल क्षति तथा वर्तमान स्थितिक जानकारी लेलनि।
दौराक क्रम मे चारू दिस पसड़ल मलबा, उजड़ल घर आ बर्बाद दोकानक दृश्य देखि पूर्व विधायक सेहो भावुक भए गेलाह। ओ कहलनि जे एहन भयावह दृश्य अपन जीवन मे कहियो नहि देखने छी। ओ कहलनि जे जिनका घर मे किछुए दिन पहिने धरि परिवारक लोक हंसी-खुशी रहैत छलाह, आइ ओतय मात्र मलबा देखाइत अछि। लोकक आंखिक सोझां हुनकर घर, सामान आ बरखो सं जुटाओल कमाइ बाढ़िक तेज धार मे बहि गेल। ककरो घर उजड़ि गेल, तं ककरो रोजी-रोटी छिना गेल।
बाढ़िक प्रभाव मात्र मकान धरि सीमित नहि अछि। छोट दोकानदार आ व्यवसायी सभक दोकान आ सामान नष्ट भए गेल अछि, जाहि सं हुनका सभक समक्ष जीवन-यापनक गंभीर संकट उत्पन्न भए गेल अछि। कतेको परिवार अपन घर छोड़ि सुरक्षित स्थान पर शरण लेबाक लेल विवश छथि।
प्रत्येक पीड़ित धरि तत्काल पहुंचय सहायता
अशोक यादव कहलनि जे आपदाक एहि घड़ी मे प्रभावित परिवार कें एकाकी नहि छोड़ल जा सकैत अछि। जे लोक सभ अपन सब किछु गमा देने छथि, हुनका तत्काल सरकारी सहायता भेटबाक चाही। ओ सरकार आ प्रशासन सं मांग कएलनि जे प्रभावित क्षेत्र मे राहति सामग्रीक वितरण युद्धस्तर पर कएल जाए। खाद्य सामग्री, स्वच्छ पेयजल, कपड़ा, औषधि, तिरपाल आ अस्थायी आवासक व्यवस्था तत्काल करबाक आवश्यकता अछि।
जतय लोक एखन धरि फंसल छथि, ओतय बचाव आ राहति दल कें शीघ्र पठेबाक मांग सेहो ओ कएलनि। बाढ़ि मे घर गमा चुकल परिवारक पुनर्वास लेल ठोस व्यवस्था करबाक संग प्रभावित क्षेत्र मे स्वास्थ्य शिविर लगाबय आ आवश्यक औषधि उपलब्ध कराबय पर सेहो जोर देलनि।
पूर्व विधायक कहलनि जे बाढ़ि सं भेल क्षति कें मात्र घर आ सड़कक नुकसानक रूप मे नहि देखबाक चाही। सरकारक पहिल प्राथमिकता प्रत्येक पीड़ित परिवार धरि तत्काल राहति पहुंचेनाइ होयबाक चाही।
ओ प्रशासन सं राहति आ पुनर्वास काज मे कोनो प्रकारक लापरवाही नहि करबाक अपील कएलनि। संगहि समाजक सक्षम लोक आ सामाजिक संगठन सभ सं आगू आबि बाढ़ि पीड़ित परिवारक सहायता करबाक आग्रह कएलनि। नुवाकोटक प्रभावित क्षेत्र मे एखन चारू दिस मलबा, उजड़ल घर आ सन्नाटा बाढ़िक भयावहताक गवाही दए रहल अछि। पीड़ित परिवार आब सरकार आ प्रशासन दिस आशा भरल नजरि सं ताकि रहल छथि – कखन राहति पहुंचत आ कखन उजड़ल जिनगी फेर सं पटरी पर लौटत।