Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

पितृपक्ष मे पिंडदान लेल पांच प्रकारक पैकेज, ऑनलाइन बुकिंगक सुविधा शुरू

Avatar
By Samadiya Mithila
September 15, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • देश-विदेश सं आबयवला श्रद्धालुक लेल विशेष व्यवस्था, ई-पिंडदान पैकेज सेहो उपलब्ध

 

गयाजी, समदिया

पितृपक्षक अवसर पर गयाजी आबयवला देश-विदेशक श्रद्धालुक सुविधा लेल पर्यटन विभागक निर्देश पर बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम विशेष पिंडदान पर्यटन पैकेज जारी केने अछि। ई पैकेज 25 सितंबर सं 10 अक्टूबर धरि प्रभावी रहत। एहि माध्यम सं श्रद्धालु कें पिंडदान अनुष्ठान, धार्मिक स्थल दर्शन, यातायात, आवास, भोजन, पंडा-पुजारीक सेवा आ आवश्यक पूजन सामग्री एकहि ठाम उपलब्ध कराओल जाएत।

श्रद्धालु अपन सुविधा, यात्राक अवधि आ बजटक अनुसार एक-दिवसीय अथवा एक राति-दू दिवसीय पैकेजक चयन कए सकैत छथि। ऑनलाइन बुकिंग लेल श्रद्धालु बिहार राज्य पर्यटन विकास निगमक वेबसाइट पर जा सकैत छथि। बुकिंग अथवा अन्य जानकारी लेल 8544418408 आ 8294307690 पर संपर्क कयल जा सकैत अछि। निर्धारित शुल्क पर पितृपक्ष लेल पांच प्रकारक पैकेजक संग ऑनलाइन पिंडदानक सुविधा सेहो उपलब्ध अछि।

ई-पिंडदान पैकेज 23 हजार रुपैया मे

जे श्रद्धालु व्यक्तिगत रूप सं गयाजी नहि आबि सकैत छथि, हुनका लेल ई-पिंडदानक विशेष व्यवस्था कयल गेल अछि। एहि पैकेजक कुल शुल्क जीएसटी सहित 23 हजार रुपैया निर्धारित अछि। ई-पिंडदान पैकेज मे विष्णुपद मंदिर, अक्षयवट आ फल्गु नदी पर पिंडदान अथवा तर्पण, पंडित-पुजारीक सेवा, पूजन सामग्री आ दक्षिणा शामिल अछि। पुरोहितक माध्यम सं तीनू प्रमुख स्थल पर विधि-विधानपूर्वक पिंडदान अथवा तर्पण कराओल जाएत। पूरा अनुष्ठानक मंत्रोच्चार, दान-दक्षिणा आ पूजन सामग्री सहित वीडियो रिकॉर्डिंग कयल जाएत आ ओकर पेनड्राइव श्रद्धालु कें उपलब्ध कराओल जायत।

पिंडदान करयबला कें नहि हो परेशानी : प्रभारी मंत्री

पितृपक्ष मेला-2026क तैयारीक समीक्षा लेल सोमदिन गयाजी मे जिला परिषद सभागार मे प्रभारी मंत्री सह कृषि मंत्री विजय कुमार सिन्हाक अध्यक्षता मे बैसार भेल। बैसार मे जिलाधिकारी शशांक शुभंकर, एसएसपी सुशील कुमार सहित वरिष्ठ अधिकारी उपस्थित छलाह। मंत्री कहलनि जे देश-विदेश सं आबयबला पिंडदान कें कोनो प्रकारक कठिनाइ नहि होबाक चाही। सुरक्षा, यातायात, स्वच्छता आ भीड़ नियंत्रण पर विशेष ध्यान देबाक निर्देश देल गेल। मेला क्षेत्र कें नीक ढंग सं संचालित करबाक लेल पांच जोन आ 54 सेक्टर मे बांटल गेल अछि। प्रत्येक जोन आ सेक्टरक जिम्मेदारी संबंधित अधिकारी कें देल गेल अछि।

39 हजार 500 मानवबल सं तीन पाली मे सफाई

मेला क्षेत्रक सफाई लेल तीन पाली मे आउटसोर्सिंगक माध्यम सं काज कराओल जाएत। एहि लेल करीब 39 हजार 500 मानवबलक आवश्यकता कें ध्यान मे रखैत एजेंसी चयनक निविदा प्रकाशित कयल गेल अछि। फल्गु नदीक सफाई लेल कचरा हटेबयवला नावक उपयोग कयल जाएत। नौटा पोखरिक विशेष सफाई सेहो कराओल जा रहल अछि। घाट, सीढ़ी आ वेदी स्थल पर सफाईक विशेष निगरानी रहत। वेदी, घाट, आवास, वाहन पड़ाव सहित प्रमुख स्थान पर पेयजल लेल वाटर एटीएम आ टैंकरक व्यवस्था कयल जाएत। मंत्री पानीक गुणवत्ता लगातार प्रयोगशाला मे जांच करबाक आ बोतलबंद पानिक सेहो जांच करबाक निर्देश देलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नीतीश मिश्रक उपस्थिति मे बिहार नगर विकास आ सीईपीटीक बीच भेल महत्वपूर्ण समझौता

Next

2,000 रुपैया सं बेसीक यूपीआई भुगतान पर लागत एमडीआर, छोट व्यापारिक लेल जारी रहत छूट

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव
  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव
  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech