Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

नीतीश मिश्रक उपस्थिति मे बिहार नगर विकास आ सीईपीटीक बीच भेल महत्वपूर्ण समझौता

Avatar
By Samadiya Mithila
September 15, 2026 2 Min Read
0

पटना। बिहार मे सुनियोजित, आधुनिक एवं भविष्यक आवश्यकताक अनुरूप शहरी विकास कें नव दिशा देबाक पहलाक तहत आइ मंत्री, नगर विकास एवं आवास विभाग, श्री नीतीश मिश्रा क उपस्थिति मे नगर विकास एवं आवास विभाग तथा सेंटर फॉर इनवायरमेंट प्लानिंग एंड टेक्नोलॉजी एडवाइजरी फाउंडेशन (सी.ए.एफ), अहमदाबादक बीच तकनीकी सहायता इकाई (टी.एस.यू.) क स्थापना लेल महत्वपूर्ण समझौता कएल गेल। एहि दौरान विभागक प्रधान सचिव श्री विनय कुमार सेहो उपस्थित छलाह।

समझौता पर नगर विकास एवं आवास विभागक विशेष सचिव-सह-मुख्य कार्यकारी अधिकारी, बिहार नगर विकास प्राधिकरण, श्री नवल किशोर चौधरी तथा सी.ई.पी.टी. एडवाइजरी फाउंडेशनक निदेशक श्री दर्शन पारिख हस्ताक्षर कए औपचारिक रूप सं सहयोगक प्रक्रिया कें आगाँ बढ़ौलनि।

श्री मिश्रा कहलनि जे एहि तकनीकी सहयोगक माध्यम सं बिहार मे प्रस्तावित ग्रीनफील्ड सैटेलाइट टाउनशिपक सुनियोजित एवं सतत विकास कें गति भेटत। सी.ए.एफ. दिस सं आधुनिक शहरी नियोजन, स्थानिक विकास पहल, नीति निर्माण, भूमि उपयोग नियोजन, आधारभूत संरचना विकास तथा दीर्घकालीन शहरी विकासक रणनीति तैयार करबा मे तकनीकी विशेषज्ञता उपलब्ध कराओल जाएत।

मंत्री श्री नीतीश मिश्रा कहलनि जे माननीय मुख्यमंत्री श्री सम्राट चौधरी जीक विकसित एवं समृद्ध बिहारक विजनक अनुरूप राज्य मे भविष्यक आवश्यकताकें ध्यान मे राखि नव एवं आधुनिक शहरी क्षेत्रक विकास कएल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे सी.ई.पी.टी. एडवाइजरी फाउंडेशन जेना प्रतिष्ठित तकनीकी संस्थाक संग ई सहयोग बिहार मे सुनियोजित, टिकाऊ आ भविष्य उन्मुख शहरी विकासक दिशा मे महत्वपूर्ण कदम साबित होयत।

श्री मिश्रा कहलनि जे तकनीकी सहायता इकाई विभाग कें डेटा आधारित, वैज्ञानिक एवं आधुनिक शहरी नियोजन लेल आवश्यक तकनीकी सहयोग उपलब्ध कराओत। एकर माध्यम सं ग्रीनफील्ड सैटेलाइट टाउनशिप कें बेहतर कनेक्टिविटी, आधुनिक आधारभूत संरचना, पर्यावरणीय स्थिरता आ नागरिक-केंद्रित सुविधासं युक्त विकसित शहरी क्षेत्रक रूप मे आकार देबा मे सहायता भेटत।

बिहार मे आधुनिक शहरी विकास आ ग्रीनफील्ड सैटेलाइट टाउनशिपक निर्माण लेल नगर विकास एवं आवास विभाग अहमदाबादक सी.ई.पी.टी. एडवाइजरी फाउंडेशनक संग समझौता कएल अछि। मंत्री नीतीश मिश्रक मौजूदगी मे भेल एहि समझौता अंतर्गत तकनीकी सहायता इकाई स्थापित होयत, जे डेटा आधारित शहरी नियोजन मे सहायता करत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहार : 70वीं बीपीएससी आ दारोगा भर्ती रद्द करबाक मांग; पटना मे छात्र सभ कएलनि प्रदर्शन, बैरिकेडिंग पर चढ़लाह अभ्यर्थी

Next

पितृपक्ष मे पिंडदान लेल पांच प्रकारक पैकेज, ऑनलाइन बुकिंगक सुविधा शुरू

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech