बिहार : 70वीं बीपीएससी आ दारोगा भर्ती रद्द करबाक मांग; पटना मे छात्र सभ कएलनि प्रदर्शन, बैरिकेडिंग पर चढ़लाह अभ्यर्थी
पटना। बिहार मे दारोगा भर्ती, बीपीएससीक 70वीं संयुक्त प्रतियोगिता परीक्षा आ बिहार कर्मचारी चयन आयोग (बीएसएससी)क लंबित परीक्षा सभ सहित प्रतियोगी परीक्षा सं जुड़ल विभिन्न मांग कें लए मंगल कें पैघ संख्या मे छात्र-अभ्यर्थी पटनाक सड़क पर उतरि अएलाह। गांधी मैदान सं राजभवन मार्च लेल निकलल प्रदर्शनकारी छात्र सभ कें पुलिस जेपी गोलंबरक लग रोकि देलक। एहि दौरान पैघ संख्या मे पुलिस बलक टीम तैनात रहल।
प्रदर्शनकारी अभ्यर्थी अपन विभिन्न मांग कें लए नारा लगबैत गांधी मैदान सं राजभवन दिस बढ़ि रहल छलाह। जेपी गोलंबरक लग पुलिस बैरिकेडिंग कए मार्च कें रोकि देलक। एहि दौरान कतेको अभ्यर्थी बैरिकेडिंग पर चढ़ि गेलाह आ सरकारक विरोध मे नारा लगाबय लगलाह। एहि सं किछु समय लेल घटनास्थल पर तनावपूर्ण स्थिति बनि गेल।
पुलिस द्वारा आगू बढ़य सं रोकल गेलाक बाद प्रदर्शनकारीक एकटा समूह डाक बंगला चौराहा दिस बढ़य लगल। मुदा पुलिस ओतहु बैरिकेडिंग कए हुनका सभ कें रोकि देलक। पुलिस दिस सं बेर-बेर अभ्यर्थी सभ कें आगू नहि बढ़बाक अपील कएल जाइत रहल। प्रदर्शनकारी अपन मांग कें लए नारा लगबैत रहलाह।
अभ्यर्थीसभक प्रमुख मांग मे 70वीं बीपीएससी परीक्षा आ 1,799 पदक दारोगा भर्ती परीक्षा कें रद्द कए फेर सं परीक्षा आयोजित करबाक मांग शामिल अछि। प्रदर्शनकारीक आरोप अछि जे दुनू भर्ती प्रक्रिया मे अनियमितता भेल अछि। दारोगा भर्ती परीक्षा सं जुड़ल मामिलाक जांच आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) द्वारा कएल जा रहल अछि।
छात्रसभक कहब अछि जे जखन परीक्षा मे कथित गड़बड़ीक जांच चलि रहल अछि तखन एकरा रद्द कए नव सिरा सं परीक्षा आयोजित करबाक चाही। प्रदर्शनकारी छात्र सभ बीपीएससीक 70वीं परीक्षा कें लए सेहो सवाल उठौलनि। हुनकर आरोप अछि जे परीक्षा मे पैघ स्तर पर अनियमितता भेल, मुदा एखन धरि परीक्षा रद्द करबाक दिशा मे ठोस कदम नहि उठाओल गेल अछि। छात्रसभक कहब अछि जे मामिलाक जांचक संग-संग अभ्यर्थीसभक हित मे स्पष्ट निर्णय लेल जाए।
एकर अतिरिक्त छात्र सभ बिहार कर्मचारी चयन आयोग (बीएसएससी)क लंबित परीक्षा सभ कें शीघ्र आयोजित करबाक मांग सेहो उठौलनि। हुनकर कहब अछि जे दीर्घ समय सं विभिन्न प्रतियोगी परीक्षाक प्रक्रिया अटकल अछि, जाहि सं हजारो अभ्यर्थीक भविष्य प्रभावित भए रहल अछि। अभ्यर्थी सभ भर्ती प्रक्रिया मे पारदर्शिता सुनिश्चित करबाक आ प्रतियोगी परीक्षा मे सामने आबि रहल कथित गड़बड़ीक उच्चस्तरीय जांच करबाक मांग कएलनि।
प्रदर्शनकारीक आरोप अछि जे सरकार दिस सं जांच आ कारबाइक आश्वासन तं’ देल जाइत अछि, मुदा छात्रसभक हित मे ठोस निर्णय नहि लेल जा रहल अछि। छात्र सभ कहलनि जे एहि समस्यासभक कारण हुनका सभ कें आंदोलनक बाट अपनाबय पड़ल अछि। अभ्यर्थी सभ कहलनि जे जाधरि सरकार निर्णय नहि लैत अछि, ताधरि आंदोलन जारी रहत। हुनका सभ चेतावनी देलनि जे मांग पर शीघ्र सकारात्मक निर्णय नहि भेल तं’ आंदोलन कें आरो तेज कएल जाएत।