Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सोनबरसा प्रखंडक निचला इलाका मे पसरल बाढ़िक पानि

Avatar
By Samadiya Mithila
September 13, 2026 1 Min Read
0

 

 

सीतामढ़ी, समदिया

नेपाल क्षेत्र मे लगातार भए रहल वर्षाक कारण अधवारा समूहक नदी सभ मे उफान आबि गेल अछि। एकर प्रभाव सोनबरसा प्रखंड क्षेत्रक निचला इलाका मे देखाइ पड़ि रहल अछि। खाप खोपराहा पंचायतक मोहचटी गामक वार्ड संख्या 12 आ 13 मे लखनदेई नदीक पानि चारू दिस फैलि गेल अछि। मोहचटी गाम सं खोपराहा जाएवला सड़कक कतेको स्थान पर सरेह मे करीब एक फीट पानि बहि रहल अछि। एहि कारण ग्रामीण आ राहगीर कें आवागमन मे कठिनाइक सामना करऽ पड़ि रहल अछि। जानकारीक अनुसार, खाप गाम स्थित पंचायत सरकार भवनक दक्षिण आ पूरब दिशा मे लखनदेई नदीक बांध क्षतिग्रस्त होयबाक कारण नदीक पानि तेजी सं सरेह दिस फैलि गेल अछि। सरेह मे पानि प्रवेश करबाक कारण आसपासक खेत सभ मे सेहो जलजमावक स्थिति उत्पन्न भए गेल अछि। एहि सं किसानक हजारो एकड़ खेत प्रभावित भेल अछि। ग्रामीणक अनुसार, नेपाल क्षेत्र मे बरखा होइतहि अधवारा समूहक नदी सभक जलस्तर बढ़बाक सीधा असर सीमावर्ती इलाका मे पड़ैत अछि। लखनदेई नदीक क्षतिग्रस्त बांधक समय रहैत मरम्मत नहि भेल तं पानि आरो बेसी क्षेत्र मे फैलि सकैत अछि। एहि सं खेतिहर भूमि सहित ग्रामीण आबादी पर सेहो संकट बढ़बाक आशंका अछि। ग्रामीण सभ प्रशासन सं क्षतिग्रस्त बांधक शीघ्र मरम्मत करबाक मांग केने छथि, जाहि सं बाढ़िक पानिक विस्तार कें रोकल जा सकय आ आवागमन तथा खेती पर पड़ि रहल प्रभाव कें कम कएल जा सकय।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

दुनियां आब ब्रिक्स सं विचार आ वादा नहि, ठोस परिणामक अपेक्षा रखैत अछि : पीएम मोदी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech