Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनिया

दुनियां आब ब्रिक्स सं विचार आ वादा नहि, ठोस परिणामक अपेक्षा रखैत अछि : पीएम मोदी

Avatar
By Samadiya Mithila
September 13, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • अगिला साल होमयबला ब्रिक्स सम्मेलनक अध्यक्षता करत चीन, पीएम देलनि शुभकामना

 

नई दिल्ली, एजेंसी

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी रविदिन अगिला ब्रिक्स शिखर सम्मेलनक मेजबानी करबाक लेल चीन कें शुभकामना देलनि। ओ कहलनि जे आब दुनियां ब्रिक्स सं मात्र विचार आ वादाक नहि, बल्कि ठोस परिणामक अपेक्षा करैत अछि। नई दिल्ली मे आयोजित ब्रिक्स शिखर सम्मेलनक दोसर आ अंतिम दिनक खुला सत्र कें संबोधित करैत प्रधानमंत्री मोदी कहलनि जे ब्रिक्स अपन तेसर दशक मे प्रवेश करबाक लेल तैयार अछि। दुनियांक अपेक्षा आब एहि समूह सं बेसी बढ़ि गेल अछि। ओ कहलनि जे दुनियां आब हमरा सभ सं मात्र विचार आ वादाक नहि, बल्कि ठोस परिणामक अपेक्षा करैत अछि। हमरा विश्वास अछि जे हमरा सभक सामूहिक प्रयास निश्चित रूप सं एहि अपेक्षा पर ठाढ़ उतरि सकत।

शी जिनपिंग कें देलनि शुभकामना

प्रधानमंत्री मोदी अगिला ब्रिक्स सम्मेलनक मेजबानी करबाक लेल चीन कें शुभकामना देलनि। ओ कहलनि जे नई दिल्ली शिखर सम्मेलन कें सफल बनेबा मे सहभागी सभ देश आ हुनकर दलक महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि। प्रधानमंत्री सभ प्रतिनिधिक सुखद आ सुरक्षित यात्राक सेहो कामना कएलनि। समावेशी वैश्विक विकास लेल भविष्यक निर्माण विषय पर आयोजित सत्र मे प्रधानमंत्री कहलनि जे ब्रिक्स मे ग्लोबल साउथ अर्थात विकासशील देश सभक विश्वास निरंतर बढ़ि रहल अछि।

लघु आ मध्यम उद्यम पर जोर

प्रधानमंत्री मोदी आपदा प्रबंधन, सूक्ष्म, लघु आ मध्यम उद्यमसभक बीच सहयोग तथा पर्यावरण संरक्षणक लेल ब्रिक्सक पहल पर विशेष जोर देलनि। ओ कहलनि जे भारत ब्रिक्सक मंचक माध्यम सं मित्रता, साझेदारी आ सहयोगक भावना आगू बढ़ौने अछि। ओ कहलनि जे ब्रिक्सक सहयोग मात्र सरकार सभ धरि सीमित नहि रहबाक चाही। एहि प्रक्रिया मे उद्यमी, किसान, शोधकर्ता, महिला, युवा आ आम नागरिकक सक्रिय भागीदारी सेहो आवश्यक अछि।

चीनक पांचटा पहल

चीनक राष्ट्रपति शी जिनपिंग ब्रिक्स सहयोग कें आरो गहींर करबाक लेल पांचटा पहल प्रस्तुत कएलनि। एहि पहल मे कृत्रिम बुद्धिमत्ता, व्यापार आ निवेश, डिजिटल उद्योग, बुद्धिमान विनिर्माण तथा विज्ञान-तकनीक क्षेत्र मे प्रतिभा विकास शामिल अछि। कृत्रिम बुद्धिमत्ताक क्षेत्र मे चीन ब्रिक्स एआइ मुक्त-स्रोत समुदाय गठित करब, पैघ भाषा मॉडल विकसित आ लागू करबा मे सहयोग, विशेष एआइ संगोष्ठी आ प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजित करबाक प्रस्ताव देलक। शी कहलनि जे चीन एआइक लेल मुक्त आ समावेशी पारिस्थितिकी तंत्र तैयार करबा मे अग्रणी भूमिका निभाओत।

शिखर सम्मेलनक तस्वीर साझा कएलनि

प्रधानमंत्री मोदी सोशल मीडिया एक्स पर ब्रिक्स शिखर सम्मेलन सं जुड़ल कतेको तस्वीर सेहो साझा कएलनि। ओ भारत मंडपम मे भेल बैठकक तस्वीरक संग चीनी राष्ट्रपति शी जिनपिंग, रूसी राष्ट्रपति व्लादिमीर पुतिन आ ईरानी राष्ट्रपति मसूद पेजेश्कियानक संग अपन तस्वीर साझा कएलनि। फैमिली फोटो कार्यक्रमक तस्वीर साझा करैत प्रधानमंत्री कहलनि जे नई दिल्ली मे ब्रिक्स सदस्य आ सहयोगी देशक नेता, आमंत्रित प्रतिनिधि तथा अंतरराष्ट्रीय संगठनक प्रमुखक एकत्र होयब ब्रिक्स परिवारक बढ़ैत शक्ति आ वैश्विक प्रभावक सशक्त उदाहरण अछि। ओ कहलनि जे साझा सहयोगक सोच सं जुड़ल ब्रिक्सक देश साझेदारी आ प्रगतिक भावना कें आगू बढ़ा रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#samadiyaMithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सोनबरसा प्रखंडक निचला इलाका मे पसरल बाढ़िक पानि

Next

बाढ़ि कें राष्ट्रीय आपदा घोषित करय केंद्र : तेजस्वी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech