बाढ़ि कें राष्ट्रीय आपदा घोषित करय केंद्र : तेजस्वी
तेजस्वी केलनि प्रेस कान्फ्रेंस, कहलनि, डबल इंजन सरकारक दुनू इंजन फेल भए गेल अछि
पटना, समदिया
नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव राज्य मे आयल भयावह बाढ़ि कें राष्ट्रीय आपदा घोषित करबाक मांग केलनि अछि। एहि संबंध मे ओ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कें पत्र लिखि बिहार लेल विशेष पैकेज देबाक आग्रह केलनि। पटना मे पत्रकार सम्मेलनक दौरान तेजस्वी कहलनि जे बाढ़ि सं बिहारक स्थिति अत्यंत विकट अछि, मुदा डबल इंजनक सरकार राहति पहुंचेबा मे विफल रहल अछि। तेजस्वी कहलनि जे 2007 मे जखन बिहार मे पैघ बाढ़ि आयल छल, तखन केंद्र मे यूपीएक सरकार छल। तत्कालीन प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह आ कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी बिहार आयल छलथि आ बाढ़ि राहति लेल आर्थिक सहायता देल गेल छल। हुनकर अनुसार, लालू प्रसाद यादव दुनू नेता कें बिहार अनने छलाह।
तेजस्वी आरोप लगौलनि जे बिहार मे डबल इंजनक सरकारक दुनू इंजन विफल भए गेल अछि। राज्य सरकारक खजाना खाली भए गेल अछि आ आपातकालीन कोष सं राशि निकालि काज चलाओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे एतेक पैघ आपदाक बादो केंद्र सं बिहार कें अपेक्षित सहायता नहि भेटि रहल अछि। तेजस्वी मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी, केंद्रीय मंत्री आ सांसद सभ पर सेहो निशाना साधलनि। हुनकर आरोप छल जे बिहारक 30 सं बेसी सांसद आ 7 केंद्रीय मंत्री रहितो राज्य लेल विशेष सहायता अनबाक दिशा मे कोनो प्रभावी प्रयास नहि भेल अछि। ओ प्रधानमंत्री सं बिहारक लेल विशेष पैकेज आ राष्ट्रीय आपदा घोषित करबाक मांग दोहरौलनि।