हमर बेटी कें लए कए भागि गेल छथि खगड़िया एसपी : पूजा
- पति सं भेंट करबाक लेल बिहार सं राजस्थान पहुंचली खगड़िया एसपीक पत्नी मुदा घर मे नहि भेटल प्रवेश
-
थाना पहुंचि सासुर पक्षक केलनि शिकायत, पुलिस कहलक ई पारिवारिक मामिला अछि
पटना, समदिया
खगड़िया मे पुलिस अधीक्षक पद पर कार्यरत आइपीएस अधिकारी भानुप्रताप सिंह आ हुनकर पत्नी पूजा बीच चलि रहल पारिवारिक विवाद आब राजस्थानक भरतपुर स्थित मथुरा गेट थाना धरि पहुंचि गेल अछि। पूजा थाना मे पहुंचि पति आ सासुर पक्षक विरुद्ध शिकायत केलनि। हुनकर आरोप अछि जे पति हुनकर 6 वर्षक बेटी कें हुनका सं दूर राखय चाहैत छथि।
पूजाक अनुसार, ओ पति सं भेंट करबाक लेल बिहार सं भरतपुर पहुंचलीह, मुदा सासुरक लोक हुनका घर मे प्रवेश नहि करय देलनि। ओ पुलिस सं अपन बेटी सं भेंट करेबा मे सहायता मंगलनि। पुलिस मामिला कें पारिवारिक विवाद बतबैत तत्काल कोनो कारबाइ करबाक सं मना कए देलक। एहि कारणें पूजा देर रात धरि थाना मे बैसल रहली।
पूजा कहलनि जे हम हुनकर संघर्षक समय मे हुनकर संग छलहुं, तं आब हुनका सेहो हमर संघर्षक समय मे हमर संग रहबाक चाही। हमरा एहन जीवन नहि चाही। हम सामान्य जीवन जीबय चाहैत छी, जाहि मे हम, हमर बच्ची आ हमर पति तीनू संग रहय। हमर बच्ची हमरा लेल कनैत अछि, मुदा भानु हुनका सं हमर बात धरि नहि करबैत छथि। हमरा अपन बेटी सं भेंट केना आ ओकरा देखना 16 दिन भए गेल अछि।
भानुप्रताप सिंह मूल रूप सं उत्तर प्रदेशक फतेहपुर सीकरीक निवासी छथि। हुनकर परिवार भरतपुर शहरक गीता कॉलोनी मे किरायाक मकान मे रहैत अछि। कहल जा रहल अछि जे किछु दिन सं भानुप्रताप अपन 6 वर्षक बेटी संग भरतपुर मे छलाह। एहि बीच हुनकर पत्नी पूजा बिहार सं भरतपुर पहुंचली। पूजाक भरतपुर पहुंचबाक जानकारी भेटिते भानुप्रताप ओतय सं निकलि गेलाह।
पूजा बतौलनि जे हुनका संग सुरक्षाक लेल 6 लोक कें पठाओल गेल छल, जाहि मे एक महिला पुलिसकर्मी सेहो छलथि। ओ पहिने गीता कॉलोनी स्थित सासुर पहुंचलीह। करीब एक घंटा धरि दरबज्जा खोलबाक प्रयास करैत रहली, मुदा केओ गेट नहि खोललक। तकर बाद ओ विजय नगर स्थित अपन ननदि केर घर गेली, मुदा ओतहु दरबज्जा नहि खोलल गेल।
अंततः परेशान पूजा मथुरा गेट थाना मे पहुंचि पुलिस सं सहायता मंगलनि। थानाक एसएचओ फोन पर भानुप्रताप सं बात केलनि। एकर बाद पुलिस मामिला कें पारिवारिक विवाद बतबैत तत्काल कारबाइ नहि केलक।
पूजा कहलनि जे भानुक पिता सेना मे छलाह, जखन कि हुनकर मौसाजी सेहो सेना मे छलाह। भानु हुनकर मौसाजी कें मित्रक पुत्र छथि। दुनूक पहिल भेंट 2015 मे कोलकाता मे एकटा पारिवारिक समारोहक क्रम मे भेल छल। पूजा बतौलनि जे पहिल भेंटे सं भानु हुनका पसिन करय लगलाह आ तकर बाद दुनूक बीच बात शुरू भेल। धीरे-धीरे ई संबंध प्रेम मे बदलि गेल। दुनू अपन परिवार कें जानकारी देलनि, मुदा दुनूक परिवार एहि संबंधक विरोध केलक। परिवार कें राजी करबाक लेल दुनू लगातार प्रयास कएलनि। तहन दुनू गोटाक विवाह भेल।