Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

’50 लाख तैयार राखू… नहि तं सभ गोली शरीर मे उतारि देब…’

Avatar
By Samadiya Mithila
September 13, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • मुजफ्फरपुरक निजी स्कूल पर 18 राउंड फायरिंग, रंगदारीक मांग

फोटो : मुज.

मुजफ्फरपुर, समदिया

मुजफ्फरपुर जिलाक कांटी थाना लग एकटा निजी स्कूल पर अज्ञात अपराधी सभ शनिदिन आ रविदिनक मध्यरात्रि अंधाधुंध गोली चला कए डर केर माहौल बना देने अछि। कांटी थर्मलक सामने स्थित चंद्रशील विद्यापीठ स्कूलक दीवार पर करीब 17 सं 18 राउंड गोली चलाओल गेल। एहि दौरान अपराधी सभ स्कूल संचालक सं 50 लाख रुपैयाक रंगदारी मांगैत एकटा पर्चा सेहो साटि देलक। पूरा घटना स्कूल परिसर मे लागल सीसीटीवी कैमरा मे कैद भेल अछि।

जानकारीक अनुसार, रविदिन भोर करीब 4 बजे मोटरसाइकिल पर सवार हेलमेट पहिरने दू युवक स्कूलक मुख्य द्वार लग पहुंचल। पहिने ओ सभ रंगदारी मांगैत पर्चा सटलक आ तकर बाद पिस्टल सं स्कूलक दीवार पर लगातार गोली चलबैत फरार भए गेल। सीसीटीवी फुटेज मे दुनू युवक कें गोली चलबैत स्पष्ट देखल गेल अछि। घटनाक जानकारी भोर मे भेटिते स्कूल परिसर आ आसपासक इलाका मे लोकक भीड़ जुटि गेल।

स्कूल प्रबंधन द्वारा घटनाक सूचना कांटी पुलिसक संग-संग वरीय पुलिस अधिकारी सभ कें देल गेल। घटनास्थल सं पुलिस चारि खोखा आ एकटा जिंदा कारतूस बरामद केलक अछि। पर्चा मे अपराधी सभ धमकी दैत लिखने अछि जे परिचयक लेल ई संदेश पठाओल जा रहल अछि। 50 लाख रुपैया तैयार राखय लेल कहल गेल अछि आ होशियारी देखेबाक प्रयास केलापर शरीर मे सभ गोली उतारि देबाक धमकी देल गेल अछि। पर्चा भेटलाक बाद पूरा इलाका मे सनसनी पसरि गेल अछि। स्कूल संचालक पुलिस कें जमीनक करीब 13 वर्ष पुरान विवादक जानकारी सेहो देलनि। हालांकि, वर्तमान समय मे एहन कोनो विवाद नहि अछि, जाहि सं एहि तरहक आपराधिक घटना घटित होय।

ग्रामीण एसपी राजेश सिंह प्रभाकरक निर्देश पर एसडीपीओ पश्चिमी-1 सुचित्री कुमारीक नेतृत्व मे विशेष जांच दल गठित कए जांच शुरू कए देल गेल अछि। पुलिस इलाका मे एकटा हिस्ट्रीशीटर कें हिरासत मे लए पूछताछ सेहो केलक अछि।

घटनास्थल पर पहुंचली एसडीपीओ पश्चिमी-1 सुचित्री कुमारी कहलनि जे एफएसएल टीम कें बजा कए घटनास्थल सं आवश्यक साक्ष्य संकलित कराओल गेल अछि। प्रारंभिक जांच मे 17 सं 18 राउंड गोली चलबाक बात सामने आयल अछि। पुलिस सीसीटीवी फुटेजक आधार पर अपराधी सभक पहिचान आ गिरफ्तारी लेल छानबीन कए रहल अछि। अधिकारी कहलनि जे शीघ्रहि घटनाक उद्भेदन कए लेल जाएत। कांटी थाना सं किछुए दूरी पर भेल एहि गोलीबारीक घटना सं स्थानीय लोक मे भय आ डरक वातावरण बनल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

हमर बेटी कें लए कए भागि गेल छथि खगड़िया एसपी : पूजा

Next

गणेश चतुर्थी पर 151 कलशक यात्रा, वैदिक मंत्रोच्चार सं गूंजल रोसड़ा

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech