Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

गणेश चतुर्थी पर 151 कलशक यात्रा, वैदिक मंत्रोच्चार सं गूंजल रोसड़ा

Avatar
By Samadiya Mithila
September 13, 2026 2 Min Read
0

 

समस्तीपुर/रोसड़ा, समदिया

गणेश चतुर्थीक अवसर पर रविदिन रोसड़ा नगर परिषद सहित प्रखंड क्षेत्रक विभिन्न स्थान पर धार्मिक उत्साह आ श्रद्धाक माहौल रहल। जगह-जगह भगवान गणेशक प्रतिमा स्थापित कए पूजा-अर्चना कएल जा रहल अछि। एहि क्रम मे रोसड़ा मे गणेश चतुर्थी पूजा कें लए कए 151 कलशक संग भव्य कलश यात्रा निकालल गेल। यात्रा मे पैघ संख्या मे व्रती महिला आ श्रद्धालु सहभागी भेलाह। कलश यात्रा पूजा स्थल सं निकलि महावीर चौक आ गुदरी बाजार होइत बूढ़ी गंडक नदीक गंडकी नाथ घाट पहुंचल। एहि दौरान श्रद्धालु धार्मिक जयकारा लगबैत आगू बढ़ैत रहलाह। घाट पर पहुंचलाक बाद विद्वान पंडित सभ वैदिक मंत्रोच्चारक संग विधि-विधानपूर्वक पूजा-अर्चना करौलनि। तकर बाद पवित्र जल कलश मे भरल गेल।

 

जल भरलाक बाद श्रद्धालु पुनः नगर भ्रमण करैत शनि स्थान स्थित पुरान अस्पताल परिसर मे बनाओल गेल पूजा पंडाल पहुंचलाह। कलश यात्राक दौरान पूरा बाट मे श्रद्धा आ उत्साहक माहौल देखबा लेल भेटल। महिला सभ माथ पर कलश धारण कए धार्मिक अनुष्ठान मे भाग लेलनि। जगह-जगह लोकनि कलश यात्राक स्वागत सेहो कएलनि। पूजा स्थल पर पहुंचलाक बाद कलश सभ कें विधि-विधानपूर्वक स्थापित कएल गेल। गणेश चतुर्थी कें लए कए रोसड़ा नगर परिषद आ प्रखंड क्षेत्रक विभिन्न मोहल्ला आ गाम मे आकर्षक पूजा पंडाल बनाओल गेल अछि। पंडाल सभ कें रंग-बिरंगी रोशनी आ सजावटी सामग्री सं सजाओल गेल अछि। कतेको पूजा समितिक दिस सं भगवान गणेशक आकर्षक प्रतिमा स्थापित कएल गेल अछि। पूजा कें लए कए भोरहि सं श्रद्धालुक पहुंचबाक क्रम जारी रहल। आयोजक सभ कहलनि जे गणेश चतुर्थी मात्र धार्मिक आयोजन नहि, बल्कि समाज मे एकजुटता आ आपसी भाईचारा बढ़ेबाक अवसर सेहो अछि। कलश यात्राक माध्यम सं धार्मिक आस्था, सामाजिक एकता आ सद्भावक संदेश देल गेल। भगवान गणेश सं क्षेत्र मे सुख-शांति, समृद्धि आ खुशहालीक कामना कएल गेल। पूजा कें लए कए स्थानीय श्रद्धालु सभ मे खासा उत्साह देखल जा रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

’50 लाख तैयार राखू… नहि तं सभ गोली शरीर मे उतारि देब…’

Next

दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech