Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

Avatar
By Samadiya Mithila
September 13, 2026 1 Min Read
0

 

  • बस पड़ावक निर्माण कार्य मे तेजी आ गुणवत्ताक संग पूरा करबाक देलनि निर्देश

दरभंगा, समदिया

जिलाधिकारी कौशल कुमार रविदिन दिल्ली मोड़ स्थित बस पड़ाव परिसरक विस्तृत निरीक्षण कएलनि। एहि दौरान ओ बस पड़ाव मे निर्माणाधीन प्रशासनिक भवन सहित विभिन्न विकास आ निर्माण कार्यक प्रगतिक जायजा लेलनि तथा संबंधित पदाधिकारी सभ सं कार्यक अद्यतन स्थितिक जानकारी प्राप्त कएलनि। निरीक्षणक क्रम मे जिलाधिकारी बस पड़ाव परिसर मे प्रस्तावित यात्री पड़ाव निर्माण स्थल सेहो देखलनि। यात्रीक सुविधा, बसक सुचारु आवागमन आ परिसरक समुचित उपयोग कें ध्यान मे राखि निर्माण कार्य निर्धारित मानकक अनुरूप पूरा करबाक लेल आवश्यक निर्देश देलनि। जिलाधिकारी विभिन्न निर्माण आ विकास कार्यक प्रगतिक समीक्षा करैत संबंधित पदाधिकारी आ अभियंता सभ कें कार्य मे अपेक्षित तेजी आनबाक निर्देश देलनि। ओ बुडकोक परियोजना निदेशक कें बस पड़ावक निर्माण कार्य मे तेजी अनैत एकरा यथाशीघ्र पूरा करबाक कहलनि। संगहि निर्माण कार्यक नियमित अनुश्रवण आ प्रगतिक निरंतर समीक्षा सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि, जाहि सं परियोजना निर्धारित समय-सीमा मे पूरा भए सकय। तदुपरांत जिलाधिकारी मदारपुर स्थित होली क्रॉस स्कूलक लग निर्माणाधीन नालाक निरीक्षण कएलनि। ओ नाला निर्माणक प्रगति, कार्यक गुणवत्ता आ स्थल स्थितिक जायजा लेलनि। परियोजना निदेशक, बुडको कें नाला निर्माण सहित अन्य संबंधित कार्य सभ सेहो तीव्र गति सं पूरा करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे शहरी क्षेत्रक आधारभूत संरचना सं संबंधित निर्माण कार्य कें प्राथमिकता दए पूरा कएल जाय। निरीक्षणक दौरान बुडकोक परियोजना निदेशक, उप नगर आयुक्त जयचंद्र एकसर, संबंधित अभियंता, संवेदकक प्रतिनिधि तथा विभिन्न विभागक पदाधिकारी आ कर्मी उपस्थित छलाह।

============================================================

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

गणेश चतुर्थी पर 151 कलशक यात्रा, वैदिक मंत्रोच्चार सं गूंजल रोसड़ा

Next

गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech