Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

पटना मे हांगकांग लिखल हैंड ग्रेनेड बरामद,315 बोरक 5 गोली सेहो जब्त

Avatar
By Samadiya Mithila
September 23, 2026 2 Min Read
0

 

 2 युवक गिरफ्तार

 शीतला मंदिर ओवरब्रिजक लग पुलिस पकड़लक

फोटो 201

पटना। अगमकुआं थाना क्षेत्र मे हैंड ग्रेनेड भेटल अछि। पुलिस 2 युवक कें गिरफ्तार कएलक अछि। तलाशी के दौरान 315 बोरक 5 जिंदा गोली भेटल अछि।

बरामद सामानक जांच लेल बम निरोधक दस्ता कें बजाओल गेल अछि। गिरफ्तार युवकक पहचान रोहित कुमार आ सन्नी कुमारक रूप मे भेल अछि। दुनू नालंदा आ पटनाक निवासी बताओल जा रहल छथि।

शक भेला पर पुलिस लेलक तलाशी

जानकारीक मुताबिक पुलिस मंगल राति शीतला मंदिर ओवरब्रिजक लग संदिग्ध गतिविधिक जांच कए रहल छल, तखने दुनूक हरकत संदिग्ध बुझाएल। पुलिस दुनू कें रोकि कए तलाशी लेलक। तलाशी के दौरान हुनका सभक लग सं 315 बोरक 5 गोली आ हैंड ग्रेनेड बरामद भेल। जाहि पर ‘हांगकांग’ अंकित अछि।

‘हैंड ग्रेनेड कें डिफ्यूज कएल जाएत’

ओतहि, एहि संबंध मे पटना सिटी पुलिस अनुमंडल पदाधिकारी-1 राजकिशोर सिंह बतौलनि जे ओ जिंदा बम हैंड ग्रेनेड अछि। डीजी कंट्रोल रूम कें सेहो सूचना देल गेल अछि। पुलिस एकरा डिफ्यूज करबाक प्रक्रिया शुरू कए देने अछि।

बम निरोधक दस्ता कें जांच लेल बजाओल गेल

अगमकुआं थानाध्यक्ष राजेश कुमार झा कहलनि जे दुनू युवक सं अलग-अलग पूछताछ कएल जा रहल अछि। पुलिस ई पता लगा रहल अछि जे हुनका सभ कें ई संदिग्ध सामान आ कारतूस कतय सं भेटल आ ओ एकरा केकरा देबय जा रहल छलाह। संगहि हुनका सभक मकसदक सेहो जांच कएल जा रहल अछि।

क्रिमिनल रिकॉर्ड खंगालि रहल पुलिस

पुलिस दुनू युवकक आपराधिक इतिहासक सेहो जानकारी जुटा रहल अछि। एकर अतिरिक्त हुनका सभक संभावित आपराधिक संपर्क आ कोनो गिरोह सं संबंध होमयक सेहो जांच कएल जा रहल अछि। पुलिस ई सेहो पता लगाबयक प्रयास कए रहल अछि जे बरामद कारतूस आ संदिग्ध सामानक इस्तेमाल कोनो आपराधिक वारदात मे करबाक छल कि नहि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewsबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

घर मे सुति रहल नाबालिग छात्रा पर तेजाब फेकल गेल, कटिहार मे सनसनी, पुलिस जांच मे जुटल

Next

जेडीयू कार्यालयक बाहर बीयूएचएस अभ्यर्थीक प्रदर्शन

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार
  • दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला
  • पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
  • दरभंगा मे छात्रा सं छेड़छाड़, ओढ़नी खींचि बाइक पर बैसेबाक प्रयास, पॉक्सो एक्ट मे दू आरोपी गिरफ्तार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 23-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22 09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार
  • दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला
  • पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
  • दरभंगा मे छात्रा सं छेड़छाड़, ओढ़नी खींचि बाइक पर बैसेबाक प्रयास, पॉक्सो एक्ट मे दू आरोपी गिरफ्तार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech