Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

घर मे सुति रहल नाबालिग छात्रा पर तेजाब फेकल गेल, कटिहार मे सनसनी, पुलिस जांच मे जुटल

Avatar
By Samadiya Mithila
September 23, 2026 2 Min Read
0

कटिहार, समदिया

जमुई जिलाक वायरल वीडियो कांड सं पूरा देशक लोकक मोन मे आक्रोश अछि। छात्रा आ छात्रक संग भेल दरिंदगी आ वहशीपनक घटनाक आरोपितक विरुद्ध लोक कड़ा सं कड़ा सजा देबाक मांग कए रहल छथि। एहि बीच बिहार मे एकटा आरो गंभीर घटना सामने आयल अछि। कटिहार जिला मे एकटा नाबालिग छात्रा पर घर मे सुति रहल अवस्था मे तेजाब फेंकि देल गेल। तेजाबक कारण छात्रा गंभीर रूप सं झरकि गेल। घटनाक बाद आरोपित फरार भए गेल। घटना सालमारी थाना क्षेत्रक एकटा गामक अछि।

जानकारीक अनुसार,  रविदिनक देर राति जखन घरक सभ सदस्य सुति रहल छलाह, तखन खिड़कीक बाटे ककरो द्वारा छात्रा पर तेजाब फेंकल गेल। तेजाब पड़िते छात्राक शरीर झरकि गेल। छात्राक हल्ला करबाक बाद घरक लोक जागलाह। एहि बीच मौका पाबि आरोपित फरार भए गेल।

परिजन आनन-फानन मे छात्रा कें बारसोई रेफरल अस्पताल लए गेलाह। ओतय प्रारंभिक उपचारक बाद सेहो छात्रा चिकित्सकक निगरानी मे छथि। चिकित्सकक अनुसार अखन छात्राक हालति खतरा सं बाहर अछि। घटना सं आहत परिजन अज्ञात व्यक्तिक विरुद्ध सालमारी थाना मे आवेदन दए मामिला कें उद्भेदन करबाक आ दोषीक विरुद्ध कठोर कानूनी कारबाइक मांग केने छथि।

सालमारी थानाध्यक्ष कुमारी जुली बतौलनि जे मामिला मे अज्ञातक विरुद्ध कांड दर्ज कए लेल गेल अछि। पुलिस घटना कें विभिन्न पक्ष सं जांचि रहल अछि आ आरोपितक पहिचान करबाक प्रयास जारी अछि।

जमुई मे दू मुख्य आरोपित गिरफ्तार

दोसर दिस, जमुई शहरक लग मड़वा पहाड़ी क्षेत्र मे सहपाठी संग घुमए लेल निकलल नाबालिग छात्राक संग भेल अश्लील आ आपत्तिजनक व्यवहारक मामिला मे मुख्य आरोपित नंदन यादव आ ओकर सहयोगी हरेराम यादव कें पुलिस गिरफ्तार कए लेने अछि। दुनू टाउन थाना क्षेत्रक प्रतापपुरक निवासी बताओल गेल छथि।

पुलिसक अनुसार, दुनू आरोपित शराबक तस्करी आ अवैध बालू खननक कारोबार मे शामिल रहल अछि। ग्रामीणक अनुसार, छात्र-छात्राक संग घटना करबाक समय दुनू युवक शराबक निशा मे छल। पुलिस मंगलदिन ओकर गामक लग मुठभेड़क बाद दुनू कें पकड़लक। मुठभेड़ मे नंदन यादवक पैर मे गोली लागल अछि, जखन कि हरेराम यादवक पैर टूटि गेल अछि। दुनू वर्तमान मे अस्पताल मे उपचाराधीन छथि।

आरक्षी अधीक्षक विश्वजीत दयाल कहलनि जे दुनू आरोपितक शराब आ अवैध बालूक कारोबार मे संलिप्त रहबाक जानकारी भेटल अछि। ओकर आपराधिक इतिहासक सेहो जांच कएल जा रहल अछि। स्थानीय लोकक कहब अछि जे मड़वा पहाड़ी क्षेत्र मे सुरक्षा व्यवस्था पर्याप्त नहि अछि। जमुई-लखीसराय मुख्य सड़क सं सटल ई क्षेत्र सदर थाना सं करीब पांच किलोमीटर दूर अछि। सोनाय मड़वा आ कुंदर कें जोड़निहार सड़कक लगपास कोनो खास आबादी नहि अछि। स्थानीय लोकक आरोप अछि जे एहि क्षेत्र मे बालूक अवैध कारोबार आ शराब तस्करी कएनिहारक दबदबा बनल रहैत अछि।

ग्रामीणक अनुसार, सांझ पड़िते पहाड़ी क्षेत्र असामाजिक तत्वक अड्डा बनि जाइत अछि। अवैध कारोबार सं होइत पैघ कमाइक कारण एहि तरहक तत्वक मनोबल बढ़ल अछि। एहि कारण दिन-देखाड़ छात्राक संग छेड़खानी जेकां घटना सेहो सामने आबि रहल अछि।

जमुईक घटना आ कटिहारक तेजाब कांड दुनू घटना समाजक लेल गंभीर चिंता उत्पन्न करैत अछि। खास कए नाबालिग बच्ची सभक सुरक्षा, अपराधी पर कठोर कारबाइ आ संवेदनशील क्षेत्र मे पुलिसक प्रभावी निगरानी सुनिश्चित करब जरूरी अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

कटिहारजमुई कांडतेजाब कांडतेजाब हमलानाबालिग छात्रानाबालिगक सुरक्षाबिहार अपराधसालमारी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
जमुई मे मोरल पुलिसिंग आ नाबालिग छात्र-छात्राक संग घटना
Previous

जमुई घटना: मोरल पुलिसिंग नहि, ई गुंडागर्दी अछि

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • घर मे सुति रहल नाबालिग छात्रा पर तेजाब फेकल गेल, कटिहार मे सनसनी, पुलिस जांच मे जुटल
  • जमुई घटना: मोरल पुलिसिंग नहि, ई गुंडागर्दी अछि
  • टीआरई-4 मे 32,388 शिक्षक पद पर बहाली, 25 सितंबर सं आवेदन; बीपीएससीक नव विज्ञापन जारी
  • आजुक ई पेपर
  • भवन निर्माण निगमक जीएमक ठिकाना पर ईओयू रेड

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 23-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22 09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • घर मे सुति रहल नाबालिग छात्रा पर तेजाब फेकल गेल, कटिहार मे सनसनी, पुलिस जांच मे जुटल
  • जमुई घटना: मोरल पुलिसिंग नहि, ई गुंडागर्दी अछि
  • टीआरई-4 मे 32,388 शिक्षक पद पर बहाली, 25 सितंबर सं आवेदन; बीपीएससीक नव विज्ञापन जारी
  • आजुक ई पेपर
  • भवन निर्माण निगमक जीएमक ठिकाना पर ईओयू रेड

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech