समस्तीपुर मे बाढ़ि सं 2.33 लाख प्रभावित, 58 सामुदायिक रसोइ सं 25 हजार लोक कें भोजन
803, 803 A
समस्तीपुर, समदिया।
जिलाक बाढ़ि प्रभावित मोहनपुर, मोहिउद्दीननगर आ विद्यापतिनगर प्रखंड मे राहति आ बचावक काज युद्धस्तर पर जारी अछि। तीनू प्रखंड मे करीब 2,33,212 लोक बाढ़ि सं प्रभावित भेल छथि।
जिला प्रशासन प्रभावित लोकक लेल 58 सामुदायिक रसोइक संचालन कए रहल अछि, जाहि मे एखन धरि 25,858 लोक कें भोजन कराओल गेल अछि। ओतहि, 31,398 पॉलिथीन शीटक वितरण कएल गेल अछि।
स्वास्थ्य सुविधाक लेल 18 मेडिकल कैंप लगाओल गेल अछि। पशुक लेल 17 पशु राहति शेड आ 17 पशु चिकित्सा कैंप संचालित कएल जा रहल अछि। एहि कैंप सभक माध्यम सं एखन धरि 216 क्विंटल भूसा वितरित कएल गेल अछि आ 264 पशुक इलाज कएल गेल अछि। आवागमनक लेल मोहनपुर, हसनपुर आ विद्यापतिनगर मे 192 नावक परिचालन कएल जा रहल अछि।
प्रशासन लोक सं अपील कएलक अछि जे जोखिमवला क्षेत्र मे नहि जाथि आ आपात स्थिति उत्पन्न भेलापर नियंत्रण कक्ष सं संपर्क करथि।