पीएम मोदीक कार्यक्रम लेल बडोदरा मे उत्साह, घंटा भरि मे बिका गेल सभ टिकट
- पीएमक कार्यक्रम लेल पहिल बेर बुकमाइशो पर किनल गेल टिकट
फोटो : पीएम
वडोदरा, समदिया
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक वडोदरा मे होमयबला कार्यक्रम लेल लोक सभ मे जबरदस्त उत्साह देखल जा रहल अछि। पहिल बेर प्रधानमंत्रीक कार्यक्रम मे डिजिटल बुकिंगक विकल्प देल गेल छल। निबंधन शुरू भेलाक एक घंटाक भीतर कार्यक्रमक सभ सीट भरि गेल। एहि लेल बुकमाइशो पर निःशुल्क निबंधनक सुविधा देल गेल छल। पैघ संख्या मे लोक निबंधन करौलनि, जखन कि 42 हजार सं बेसी लोक कें प्रतीक्षा सूची मे राखल गेल अछि। कार्यक्रम मे प्रवेश सेहो डिजिटल माध्यम सं होयत।
लोक सभ मे उत्साह
प्रधानमंत्री मंगलदिन वडोदरा मे कार्यक्रम मे भाग लेताह। निबंधनक व्यवस्था लेल वडोदरा नगरपालिका निगम बुकमाइशोक माध्यम सं निःशुल्क निबंधन शुरू केने छल। लोकसभक उत्साहक अनुमान एहि बात सं लगाओल जा सकैत अछि जे निबंधन शुरू भेलाक एक घंटा मे सभ सीट बुक भए गेल। तकर बाद निबंधन बंद कए देल गेल आ 42 हजार सं बेसी लोक कें प्रतीक्षा सूची मे राखल गेल।
तकनीक आधारित होयत प्रवेश व्यवस्था
कार्यक्रम मे प्रवेशक पूरा व्यवस्था डिजिटल आ तकनीक आधारित रहत। निबंधित लोक सभक बुकमाइशो खाता मे डिजिटल एम-टिकट पठाओल जाएत। एहि टिकट मे प्रवेशक जांच लेल सुरक्षित लाइव क्यूआर कोड रहत। निबंधन आ सत्यापन सं लए कए कार्यक्रम स्थल पर प्रवेश आ आसन धरि सभ प्रक्रिया डिजिटल माध्यम सं संचालित कएल जा रहल अछि। एकर उद्देश्य प्रवेश प्रक्रिया तेज करब आ भीड़क आवागमन कें सहज बनायब अछि।
करोड़ोंक विकास परियोजनाक लोकार्पण
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी मंगलदिन गुजरात आ महाराष्ट्रक दौरा पर रहताह। एहि क्रम मे ओ विभिन्न विकास परियोजनाक आधारशिला रखताह, उद्घाटन करताह आ किछु परियोजना राष्ट्र कें समर्पित करताह। ओ ग्लोबल फिनटेक फेस्टक उद्घाटन सेहो करताह। वडोदरा मे प्रधानमंत्री 20,700 करोड़ टाका सं बेसीक लागति सं विकसित पश्चिमी समर्पित माल ढुलाई गलियारा (डब्ल्यूडीएफसी)क 326 किलोमीटर लंबा तीनटा महत्वपूर्ण खंड राष्ट्र कें समर्पित करताह। एहि मे साणंद (उत्तर)-मकरपुरा, न्यू उमरगाम-न्यू सफाले आ न्यू सफाले-जवाहरलाल नेहरू बंदरगाह प्राधिकरण (जेएनपीए) खंड शामिल अछि।
जेएनपीए सं सीधा संपर्क भेला सं आयात-निर्यातक मालक ढुलाई तेज होयत, औद्योगिक केंद्र आ बंदरगाहक बीच संपर्क मजबूत होयत, ढुलाई लागति घटत आ मुंबइक रेल नेटवर्क पर दबाव सेहो कम होयत। एहि खंड सबहक संचालन शुरू भेलाक बाद समर्पित माल ढुलाई गलियारा (डीएफसी)क पूरा नेटवर्क चालू भए जाएत। प्रधानमंत्री विभिन्न स्थान सं मालगाड़ी सेवा कें हरियर झंडी देखाओत। संगहि वडोदरा आ टांडा रोडक बीच नब ट्रेन सेवाक सेहो शुभारंभ करताह, जाहि सं वडोदरा, छोटा उदयपुर आ अलीराजपुर जिलाक लोक लाभान्वित हेताह।