समस्तीपुर मे डीआइएसएचएक बैसार : गृह राज्यमंत्री नित्यानंद राय देलनि विकास काज मे तेजी आनबाक निर्देश, बाढ़ि राहति पर विशेष जोर
पूसा मे डीआइएसएचएक बैसार संपन्न, शिक्षा-स्वास्थ्य आ बाढ़ि राहति कें प्राथमिकता
समस्तीपुर, 7 सितंबर 2026, समदिया।
डॉ. राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय, पूसा परिसर मे जिला विकास समन्वय एवं निगरानी समिति (डीआइएसएचए)क बैसार केंद्रीय गृह राज्यमंत्री नित्यानंद राय की अध्यक्षता मे संपन्न भेल।
बैसार मे सांसद शांभवी चौधरी, विधान पार्षद तरुण कुमार, विधायक वीरेंद्र कुमार, राजकुमार राय, मांजरिक मृणाल, मेयर अनीता राम, डीएम रोशन कुशवाहा, एसपी अरविंद प्रताप सिंह सहित सभ प्रखंड प्रमुख उपस्थित छलाह।
बैसार मे केंद्र आ राज्य सरकारक विभिन्न विकास योजनाक समीक्षा कएल गेल। अध्यक्ष नित्यानंद राय अधिकारी सभ कें योजना सभ कें गुणवत्ता आ पारदर्शिताक संग निर्धारित समय मे पूरा करबाक निर्देश देलनि।
शिक्षा आ स्वास्थ्य पर जोर
बैसार मे सभ विद्यालयक भवनक मरम्मत, छात्र-शिक्षक अनुपात मे सुधार आ पठन-पाठनक व्यवस्था नीक करबाक पर जोर देल गेल। स्वास्थ्य संस्थान सभ मे चिकित्सक आ आवश्यक दवाइक उपलब्धता सुनिश्चित करबाक निर्देश सेहो देल गेल।
बाढ़ि राहति पर विशेष चर्चा
जिला मे बाढ़ि सं प्रभावित लोक कें कोनो प्रकारक कठिनाइक सामना नहि करय पड़य, एहि लेल भोजन, पेयजल, स्वास्थ्य सुविधा, आश्रय, दवा आ पशुचारा पर्याप्त मात्रा मे उपलब्ध रखबाक निर्देश देल गेल। संवेदनशील क्षेत्र सभ मे आवश्यक संसाधनक पूर्व व्यवस्था करबाक आ लगातार निगरानी रखबाक लेल कहल गेल।
गृह राज्यमंत्री नित्यानंद राय कहलनि जे विकासक संग-संग आपदाक समय मे लोकक सुरक्षाक जिम्मेवारी प्रशासनक सर्वोच्च प्राथमिकता होयबाक चाही।
========================================================