- पोषक तत्व आ कीटव्याधिक समेकित प्रबंधन पर वैज्ञानिक सभ देलनि उपयोगी सुझाव
-
खरीफ फसिलक प्रबंधन पर देल गेल जानकारी
-
आत्मा मधुबनीक सहयोग सं भेल आयोजन, किसान सभ पूछलनि सवाल
403
झंझारपुर, समदिया
डॉ. राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय, पूसाक अधीन संचालित कृषि विज्ञान केंद्र, सुखेत, मधुबनी मे आत्मा, मधुबनीक सहयोग सं आइ किसान-वैज्ञानिक संवाद कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक मुख्य विषय प्रमुख खरीफ फसिल मे पोषक तत्व आ कीट-व्याधिक समेकित प्रबंधन रहल। कार्यक्रमक उद्देश्य किसान सभ कें खरीफ मौसिमक प्रमुख फसिल मे उत्पन्न होमऽवला समस्या संबंधी वैज्ञानिक आ व्यावहारिक जानकारी उपलब्ध करेनाइ तथा किसान आ वैज्ञानिकक बीच प्रत्यक्ष संवाद स्थापित करेनाइ छल। एहि अवसर पर आत्मा, मधुबनीक उप परियोजना निदेशक नंदन किसान सभ कें कृषि विभाग आ आत्मा द्वारा संचालित विभिन्न कृषि विकास आ प्रसार कार्यक्रमक जानकारी देलनि। ओ वैज्ञानिक तकनीक अपनाकए खेती कें बेसी लाभकारी बनेबाक लेल जोर देलनि। वैज्ञानिक (पौध संरक्षण) डॉ. राहुल सिंह राजपूत प्रमुख खरीफ फसिल मे संतुलित पोषक तत्व प्रबंधन आ कीट-व्याधिक समेकित प्रबंधन पर विस्तार सं जानकारी देलनि। ओ कहलनि जे नीक आ गुणवत्तापूर्ण फसिलक लेल मात्र रासायनिक उर्वरक पर निर्भर रहबाक बदला माटिक आवश्यकता अनुसार संतुलित पोषण प्रबंधन अपनब जरूरी अछि। ओ किसान सभ कें माटि परीक्षणक आधार पर उर्वरकक प्रयोग, जैविक खादक उचित उपयोग तथा फसिल मे पोषक तत्वक कमी सं उत्पन्न होमऽवला लक्षणक पहचानक संबंध मे जानकारी देलनि। संगहि सलाह देलनि जे फसिल मे कीट आ रोगक नियमित निगरानी करथि आ समस्या देखिते समय पर ओकर प्रबंधनक उपाय अपनाबथि। डॉ. राजपूत कहलनि जे कीट आ रोगक नियंत्रण लेल मात्र कीटनाशकक प्रयोग आखरी विकल्प होयबाक चाही। ओ खेतक नियमित निगरानी, स्वस्थ बीजक उपयोग, बीजोपचार, फसिल अवशेषक उचित प्रबंधन, जैविक आ जैव-नियंत्रणक उपाय तथा आवश्यकता पड़ला पर अनुशंसित कृषि रसायनक संतुलित आ सुरक्षित उपयोग पर जोर देलनि। डॉ. जगपाल, वैज्ञानिक (पशु विज्ञान/मत्स्यिकी) कृषि संग पशुपालन आ मत्स्य पालन जकां संबद्ध कृषि क्षेत्रक महत्व पर प्रकाश देलनि। ओ समन्वित कृषि प्रणाली अपनाकऽ आमदनीक अतिरिक्त स्रोत विकसित करबाक संबंध मे किसान सभ कें जानकारी देलनि। प्रगतिशील किसान महेश्वर ठाकुर अपन कृषि अनुभव साझा करैत किसान सभ कें नव तकनीक अपनाबय आ वैज्ञानिक सभ सं निरंतर संपर्क बनौने रखबाक लेल प्रेरित कएलनि। ओतहि आत्मा अध्यक्ष राम खिलावन मंडल किसान सभ सं केवीके आ आत्मा द्वारा आयोजित प्रशिक्षण तथा तकनीकी कार्यक्रमक अधिकतम लाभ उठेबाक अपील कएलनि। कार्यक्रमक दौरान किसान सभ धान सहित अन्य खरीफ फसिल मे पोषक तत्वक कमी, कीट आ रोगक पहचान तथा ओकर नियंत्रण सं संबंधित कतेको प्रश्न पूछलनि। वैज्ञानिक सभ स्थानीय परिस्थिति कें ध्यान मे रखैत किसान सभक प्रश्नक समाधान बतौलनि। किसान सभ एहि तरहक संवाद कार्यक्रम कें अत्यंत उपयोगी बतबैत भविष्य मे सेहो नियमित रूप सं एहन कार्यक्रम आयोजित करबाक मांग कएलनि।