बाढ़ि कटाव प्रभावित 350 परिवारक बीच राहति सामग्री वितरित
सहरसा, समदिया
कोसी नदीक बढ़ैत जलस्तर आ तेज कटाव सं प्रभावित नौला पंचायतक परिवार सभक सहायता लेल सेवा इंटरनेशनल राहति काज तेज कए देलक अछि। सेवा इंटरनेशनल आ कोटक महिंद्रा बैंकक सहयोग सं पंचायत क्षेत्र मे 350 सं बेसी बाढ़ि आ कटाव प्रभावित परिवारक बीच राशन किट आ राहति किट वितरित कएल गेल। राशन किट मे चाउर, दालि, आटा आ चीनी सहित आवश्यक खाद्य सामग्री देल गेल, जखन कि राहति किट मे साबुन, सर्फ/डिटर्जेंट, सैनिटरी नैपकिन सहित दैनिक उपयोगक अन्य आवश्यक सामग्री शामिल छल। सेवा इंटरनेशनल केर अभिषेक कहलनि जे संस्था कोटक महिंद्रा बैंकक सहयोग सं सहरसा आ सुपौल जिलाक बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र सभ मे राहति काज चला रहल अछि। एकर उद्देश्य प्रभावित परिवार सभ धरि समयपर आवश्यक सामग्री पहुंचायब अछि। नौला पंचायतक रसलपुर गाम निवासी समाजसेवी तथा होली मिशन एकेडमी, सहरसाक निदेशक अनिल कुमार यादव कहलनि जे ओ विगत दू बरख सं पंचायत क्षेत्र मे समाजसेवा कए रहल छथि आ आगू सेहो सेवाक काज जारी रखबाक संकल्प लेने छथि। ओ राहति सामग्री वितरण कें प्रभावित परिवार सभक लेल महत्वपूर्ण पहल बतौलनि।
============================================================