पंचायतवार आधारभूत संरचनाक आवश्यकता चिह्नित कए दू दिन मे रिपोर्ट देथि : डीएम
दरभंगा, समदिया
जिलाधिकारी कौशल कुमारक अध्यक्षता मे सोम दिन समाहरणालय स्थित बाबा साहेब डॉ. भीमराव आंबेडकर सभागार मे जिला स्तरीय समन्वय समितिक बैसार भेल। बैसार मे विकास आ कल्याणकारी योजना, विभागीय काज, जन शिकायत, न्यायालय सं संबंधित मामिला तथा विभिन्न पोर्टल सं प्राप्त आवेदनक निष्पादनक समीक्षा कएल गेल। बैठकमै मुख्यमंत्रीक अध्यक्षता मे प्रस्तावित सहयोग शिविरक तैयारी तथा सहयोग पोर्टलपर प्राप्त आवेदनक विभागवार समीक्षा कएल गेल। डीएम लंबित आवेदनक नियमानुसार त्वरित आ समयबद्ध निष्पादन सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि। राजस्व विभाग सं संबंधित लंबित मामिलाक शीघ्र निष्पादन लेल ओ अपर समाहर्ता कें विशेष निर्देश देलनि। डीएम ग्रामीण क्षेत्र मे ग्राम पंचायतवार आधारभूत संरचनाक आवश्यकताक आकलन करबाक निर्देश देलनि। विद्यालय, आंगनबाड़ी केंद्र, सामुदायिक भवन आ स्वास्थ्य उपकेंद्रक स्थितिक समीक्षा करैत मरम्मत, सुदृढ़ीकरण, उन्नयन तथा नव निर्माणक आवश्यकता बला परिसंपत्ति कें प्राथमिकताक आधारपर चिह्नित करबाक निर्देश देलनि। नव निर्माणक प्रस्ताव सं पहिने भूमिक उपलब्धता आ उपयुक्तताक सत्यापन अनिवार्य रूप सं करबाक बात कहलनि। ओ पंचायतवार योजनाक जानकारी विहित प्रपत्र मे दू दिनक भीतर उपलब्ध करयबाक निर्देश देलनि। पंचायत परिसीमनक काज मे तेजी अनैत 10 सितंबर धरि एकरा पूरा करबाक कहलनि। बैठकमै नीलाम पत्रवादक लंबित मामिलाक समीक्षा करैत प्रत्येक नीलाम पत्र पदाधिकारी कें 50-50 मामिलाक निष्पादनक लक्ष्य देल गेल। 12 सितंबर कें प्रस्तावित राष्ट्रीय लोक अदालत कें ध्यान मे रखैत बेसी सं बेसी मामिलाक निष्पादनपर जोर देल गेल। एकर अतिरिक्त सब्जी उत्पादक किसान सभ सं खरीद-बिक्री लेल सब्जी विक्रय केंद्रक स्थापना हेतु उपयुक्त भूमि चिह्नित करबाक निर्देश देल गेल।
=============================================================