Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

खेल

अफगानिस्तानक विरुद्ध टी-20 सीरीज लेल भारतीय टीम घोषित, वैभव कें भेटल मौका, बुमराह सेहो शामिल

Avatar
By Samadiya Mithila
September 1, 2026 2 Min Read
0

नई दिल्ली, 1 सितंबर । भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड (बीसीसीआई) अफगानिस्तानक विरुद्ध तीन मैचक टी-20 सीरीज लेल मंगलदिन 15 सदस्यीय भारतीय टीमक घोषणा कएलक। श्रेयस अय्यर टीमक कप्तानी करताह, जखनकि तिलक वर्मा कें उपकप्तान बनाओल गेल अछि। 15 वर्षीय वैभव सूर्यवंशी एक बेर फेर भारतीय टी-20 टीमक हिस्सा बनल छथि। पिछला मौका पर ओ अपन प्रदर्शन सं प्रभावित केने छलाह।
टीम मे नितीश कुमार रेड्डी, वाशिंगटन सुंदर, जसप्रीत बुमराह आ हर्षित राणा कें फिटनेसक आधार पर शामिल कएल गेल अछि। मुदा मध्यक्रमक विस्फोटक बल्लेबाज रिंकू सिंह कें टीम मे जगह नहि भेटल अछि।
टीम मे अभिषेक शर्मा, वैभव सूर्यवंशी, शिवम दुबे, अर्शदीप सिंह आ वरुण चक्रवर्ती जेहन नियमित खेलाड़ी शामिल छथि। हर्षित राणाक सेहो टीम मे वापसी भेल अछि। जुलाई मे जिंबाब्वे मे खेलल गेल टीमक तुलना मे एहि बेर कतेको बदलाव कएल गेल अछि। जिंबाब्वे टी-20 सीरीज मे नहि चुनल गेल संजू सैमसनक सेहो टीम मे वापसी भेल अछि।
नियमित तेज गेंदबाज सभक वापसी सं गेंदबाजी विभाग मे सेहो बदलाव भेल अछि। अर्शदीप सिंहक संग जसप्रीत बुमराह आ हर्षित राणा कें शामिल कएल गेल अछि। प्रिंस यादव, यश ठाकुर, अशोक शर्मा आ मयंक यादव, जे सभ जिंबाब्वे दौरा पर गेल टीमक हिस्सा छलाह, एहि बेर टीम मे जगह नहि बना सकलाह। हार्दिक पांड्या कें सेहो टीम मे शामिल नहि कएल गेल अछि।
भारत आ अफगानिस्तानक बीच 13 सितंबर कें टी-20 सीरीजक पहिल मैच खेलल जायत। एकर बाद 15 सितंबर कें दोसर आ 17 सितंबर कें तेसर तथा आखरी मैच खेलल जायत। तीनू मैच दिल्लीक अरुण जेटली स्टेडियम मे आयोजित होयत।
वैभव सूर्यवंशीनक प्रदर्शन पर नजरि
वैभव सूर्यवंशी हालहि मे दलीप ट्रॉफी 2026 मे शानदार प्रदर्शन केने छथि। सेमीफाइनल मैच मे ईस्ट जोनक लेल खेलैत सेंट्रल जोनक विरुद्ध ओ 92 आ 40 रनक पारी खेललनि।
वैभव इंग्लैंड दौरा पर सीनियर टीम लेल अंतरराष्ट्रीय पदार्पण केने छलाह। इंग्लैंडक विरुद्ध तीन मैच मे ओ क्रमशः 14, 13 आ 15 रन बना सकलाह। मुदा तकर बाद जिंबाब्वे दौरा पर वैभव 50, 20 आ 81 रनक पारी खेललनि आ ‘प्लेयर ऑफ द सीरीज’क पुरस्कार जीतलनि।
अफगानिस्तानक विरुद्ध भारतक टीम
श्रेयस अय्यर (कप्तान), अभिषेक शर्मा, वैभव सूर्यवंशी, संजू सैमसन (विकेटकीपर), ईशान किशन (विकेटकीपर), तिलक वर्मा (उपकप्तान), शिवम दुबे, नितीश कुमार रेड्डी, अक्षर पटेल, वाशिंगटन सुंदर, वरुण चक्रवर्ती, रवि बिश्नोई, जसप्रीत बुमराह, अर्शदीप सिंह आ हर्षित राणा।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

अफगानिस्तान टी-20 सीरीजजसप्रीत बुमराहतिलक वर्माबीसीसीआई टीम घोषणाभारत अफगानिस्तान टी-20भारत बनाम अफगानिस्तानभारतीय टी-20 टीमवैभव सूर्यवंशीश्रेयस अय्यर कप्तानसंजू सैमसन
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

विकराल भेल बाढ़ि, देखिते-देखिते गंगा मे विलीन भए गेल मंदिर

Next

40 विद्यार्थी पढ़ैत छल तिमुरेक स्कूल मे, आब मात्र दू बांचल अछि

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech