जमुई कांडक बाद 120 सोशल मीडिया प्रोफाइल पर प्राथमिकी, पीड़िताक पहिचान उजागर नहि करबाक चेतावनी
जमुई, समदिया
जमुई मे नाबालिग छात्रा आ ओकर सहपाठी छात्रक संग भेल अमानवीय घटनाक बाद पुलिस कठोर कारबाइ शुरू कए देने अछि। घटनाक वीडियो सोशल मीडिया पर प्रसारित कए पीड़िताक पहिचान उजागर करयबला लोकक विरुद्ध सेहो पुलिस कारबाइ कए रहल अछि। एहि सिलसिला मे अखन धरि 120 सोशल मीडिया प्रोफाइल धारकक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कएल गेल अछि। पुलिसक अनुसार, सभक विरुद्ध पॉक्सो अधिनियमक प्रावधानक अंतर्गत मामिला दर्ज कएल गेल अछि। पुलिस लोक कें चेतावनी देने अछि जे घटना सं संबंधित वीडियो सोशल मीडिया पर साझा नहि करथि।
जमुईक पुलिस अधीक्षक विश्वजीत दयाल कहलनि जे जिला मे भेल ई घटना अत्यंत दुर्भाग्यपूर्ण अछि आ पुलिस एकर निष्पक्ष जांच करैत कड़ा कारबाइ कए रहल अछि। हुनकर अनुसार, सोशल मीडिया पर नाबालिग पीड़िताक वीडियो देखबैत ओकर पहिचान उजागर करब पॉक्सो अधिनियम, सूचना प्रौद्योगिकी अधिनियम आ किशोर न्याय अधिनियमक अंतर्गत गंभीर अपराध अछि।
एसपी कहलनि जे एहि मामिला मे सदर थाना मे प्राथमिकी दर्ज कएल गेल अछि आ सोशल मीडिया पर अलग-अलग मंचक 120 प्रोफाइल धारकक विरुद्ध कारबाइ शुरू भेल अछि। हुनकर कहब छल जे लोक पीड़िताक निजताक सम्मान करथि आ घटना सं संबंधित कोनो वीडियो अथवा सामग्री साझा नहि करथि। पुलिस मामिलाक निष्पक्ष जांच करैत दोषी सभक विरुद्ध कड़ा कारबाइ करैत अछि।
मड़वा पहाड़ मे छात्रा संग अश्लील हरकत, तीन विधि-विरुद्ध बालक पकड़ायल
जमुई-लखीसराय मार्ग पर स्थित मड़वा पहाड़ सं वापस लौटि रहल नाबालिग छात्रा संग शनिदिन देर सांझ किछु युवकक द्वारा सरेआम अश्लील हरकत कएल गेल। एहि दौरान छात्राक संग चलि रहल सहपाठी छात्रक सेहो माइरपीट कएल गेल। घटनाक वीडियो रविदिन सांझ सोशल मीडिया पर प्रसारित भेलाक बाद मामिला सामने आएल आ क्षेत्र मे सनसनी पसरि गेल।
वीडियो मे छात्रा आरोपित सभ सं छोड़ि देबाक लेल गोहारि लगबैत देखाइत अछि, मुदा ओ सभ ओकरा संग अश्लील हरकत करैत रहल। छात्रा कोनो तरहें अपन जान बचा कए ओतय सं निकलि सकल।
घटनाक जानकारी भेटलाक बाद जिलाधिकारी मामिलाक संज्ञान लेलनि। पुलिस अधीक्षक पीड़िताक परिजन सं बात कए प्राथमिकी दर्ज करौलनि। मामिलाक जांच लेल विशेष जांच दल (एसआइटी) गठित कएल गेल अछि। सोशल मीडिया पर अपलोड घटनाक वीडियो हटेबाक कारबाइ सेहो शुरू कएल गेल अछि।
एडीजी (विधि-व्यवस्था) केएस अनुपमक अनुसार, घटना मे शामिल सात-आठ लड़काक पहिचान कएल गेल अछि। तीन विधि-विरुद्ध बालक कें निरुद्ध कएल गेल अछि, जखन कि दू अन्यक पहिचान भए गेल अछि। शेष आरोपितक गिरफ्तारी लेल पुलिस लगातार छापेमारी कए रहल अछि।