Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

बर्निंग ट्रेन बनबा सं बांचल कोसी एक्सप्रेस,  आगि लगला पर यात्री कूदि-कूदि कए बचौलनि जान

Avatar
By Samadiya Mithila
August 12, 2026 2 Min Read
0

सहरसा, समदिया

कोसी एक्सप्रेस द बर्निंग ट्रेन बनबा सं लेल बाल-बाल बचि गेल। कोसी एक्सप्रेसक एसी बोगी मे अनचोके आगि लागि गेल, जाहि सं ट्रेन मे सवार यात्री सभक बीच दहशत पसरि गेल। भयभीत यात्री सभ प्राण बचयबाक लेल ट्रेन सं कूदय लगलाह आ चारूकात अफरातफरी मचि गेल।

बताओल जा रहल अछि जे पूर्णिया कोर्ट सं सहरसा होइत हटिया (रांची) दिस जा रहल कोसी एक्सप्रेस बुधदिन बर्निंग ट्रेन बनबा सं बचि गेल। तेज गति सं चलि रहल ट्रेनक थर्ड एसी इकोनॉमी कोच एम-2 मे सोनवर्षा कचहरी आ सिमरी बख्तियारपुर स्टेशनक बीच आगि लागि गेल।

कोचक पहिया लग सं आगिक धधरा उठैत आ भीतर धुआं भरैत देखि यात्री सभ भयभीत भए गेलाह। सिमरी बख्तियारपुर स्टेशन पर भोरक करीब 5:30 बजे ट्रेन रुकिते कतेको यात्री कोच सं कूदि कए अपन प्राण बचौलनि। मुदा एहि सं पहिने फाटक संख्या-19 पर तैनात गेटमैन ट्रेनक एकटा कोच सं धुआं निकलैत आ पहियाक नीचां सं आगिक धधरा उठैत देखलनि। ओ तुरंत स्टेशन मास्टर कें दूरभाष पर सूचना देलनि।

सूचना भेटिते स्टेशन मास्टर, आरपीएफ जवान, ट्रेनक चालक, सहायक चालक आ गार्ड घटनास्थल पर पहुंचि अग्निशामक यंत्रक सहायता सं आगि मिझयबाक प्रयास कयलनि। मुदा आगि नहि मिझेला पर भोर 5:35 बजे अग्निशमन विभाग कें सूचना देल गेल। करीब दस मिनट बाद अग्निशमन दस्ता दमकल गाड़ी लए कए पहुंचल आ पानि छीटि कए आगि पर भोर 5:57 बजे काबू पाबि लेल गेल।

आगि पर नियंत्रण पाबि लेलाक बाद सभ गोटे राहतिक सांस लेलनि। करीब 6 बजे चालक, सहायक चालक, स्टेशन मास्टर आ गार्ड ट्रेन कें आगू-पाछां कए जांच-पड़ताल कयलनि। जांच मे सभ किछु ठीक पाओल गेलाक बाद ट्रेन भोर 6:13 बजे अपन गंतव्य दिस प्रस्थान कयलक। एहि बीच स्टेशन पर अफरातफरीक स्थिति बनल रहल। घटनाक सूचना भेटला पर आरपीएफ निरीक्षक धनंजय कुमार सहित अन्य अधिकारी सेहो स्टेशन पर पहुंचि घटनाक निरीक्षण केलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#BreakingNews#IndianRailways#MaithiliNews#Purnea#RailwayNews#TrainFire#कोसीएक्सप्रेस#पूर्णिया#बिहारसमाचार#सिमरीबख्तियारपुरsaharsaसहरसा
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ईपेपर

Next

बेंगलुरु मे शुरू भेल प्रवासी श्रमिक सुविधा केंद्र, मंत्री अरुण शंकर प्रसाद पटना सं ऑनलाइन कएलनि उद्घाटन

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech