डीएम-एसपीक अनुपस्थिति पर मधुबनी दिशा बैठकक बहिष्कार, जनप्रतिनिधि सभ मे भारी आक्रोश
मधुबनी। मधुबनी मे आयोजित जिला विकास समन्वय एवं निगरानी समिति (दिशा)क बैठक मे जिलाधिकारी आ पुलिस अधीक्षकक शामिल नहि होएबा पर जनप्रतिनिधि सभ कड़ा विरोध कएलनि आ बैठकक बहिष्कार कए देलनि। सांसद सभ एहि घटनाक्रम कें लए मुख्यमंत्री सं कारबाइक मांग कएलनि।
दुनू शीर्ष अधिकारीक अनुपस्थिति सं नाराज दिशा समिति सदस्य सभ एकजुट भए बैठकक पूर्ण बहिष्कार कएलनि। ई महत्वपूर्ण बैठक झंझारपुर सांसद सह दिशा समिति अध्यक्ष रामप्रीत मंडलक अध्यक्षता मे होएबाक छल।
दिशा समिति अध्यक्ष आरपी मंडल अधिकारी सभक एहि रवैया कें जिलाक विकास काज मे बाधा डालय बला बतौलनि। ओ स्पष्ट कहलनि जे जँ डीएम आ एसपी कें बैठक मे नहि आबय छल तं एकर पूर्व सूचना देल जएबाक चाही छल। जनप्रतिनिधि सभकें आमंत्रित कए एहि तरहे अनुपस्थित रहब हुनकर सीधा अपमान अछि।
सांसद आरपी मंडल कहलनि जे एहि पूरा घटनाक्रमक निंदा करैत एकटा औपचारिक प्रस्ताव तैयार कए मुख्यमंत्री कें पठाओल जाएत। ओ कहलनि जे दिशा समिति जकां महत्वपूर्ण बैठक मे शीर्ष अधिकारी सभक उपस्थिति अनिवार्य अछि।
मधुबनी सांसद अशोक यादव सेहो अधिकारी सभक कार्यशैली पर गहींर रोष व्यक्त कएलनि आ सरकार सं सख्त कारबाइ करबाक मांग कएलनि।
जनप्रतिनिधि सभ जोर दैत कहलनि जे जनकल्याणकारी योजना सभक समीक्षा लेल प्रमुख अधिकारी सभक भौतिक उपस्थिति अनिवार्य अछि। डीएम आ एसपीक अनुपस्थिति सं बैठकक उद्देश्य प्रभावित भेल, जाहि कारण जनप्रतिनिधि सभ मे भारी आक्रोश देखल गेल।