सहरसा, 14 सितंबर। शिक्षा विभाग, बिहार सरकारक मंत्री सह जिलाक प्रभारी मंत्री मिथिलेश तिवारीक अध्यक्षता मे सोमदिन विकास भवन सभागार मे जिला कार्यक्रम कार्यान्वयन समितिक बैसार आयोजित कएल गेल। बैसार मे जिला मे चलि रहल विकास आ जनकल्याणकारी योजनाक विभागवार समीक्षा कएल गेल, जखनकि संभावित बाढ़ि सं निपटबाक तैयारीक सेहो जायजा लेल गेल।
संभावित बाढ़िक तैयारीक समीक्षा करैत प्रभारी मंत्री आपदा प्रबंधन सं जुड़ल तैयारी कें लगातार अद्यतन रखबाक निर्देश देलनि। ओ प्रखंड आ पंचायत स्तर पर नियमित बैसार कए तैयारीक समीक्षा करबाक तथा संवेदनशील क्षेत्र, आवश्यक संसाधन आ राहति-बचाव व्यवस्थाक लेल विभिन्न विभागक बीच नीक समन्वय सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि।
बैसारक शुरुआत पिछला बैसार मे लेल गेल निर्णयक अनुपालन प्रतिवेदनक समीक्षा सं भेल। प्रभारी मंत्री विभिन्न विभागक काज आ उपलब्धिक जानकारी लैत लंबित मामिलासभक प्राथमिकताक आधार पर शीघ्र निष्पादन करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे सरकारक विकास आ जनकल्याणकारी योजनाक लाभ समाजक आखरी पांतिमे ठाढ़ व्यक्ति धरि समय पर आ पारदर्शी तरीका सं पहुंचबाक चाही।
बैसार मे शिक्षा, स्वास्थ्य, ग्रामीण विकास, पंचायती राज, कृषि, समाज कल्याण, पीएचईडी, पथ निर्माण, विद्युत आ नगर विकास सहित विभिन्न विभागक योजनाक प्रगतिक समीक्षा कएल गेल। नगर निकायक विस्तारीकरण सं संबंधित प्रस्ताव पर सेहो चर्चा भेल।
प्रखंड स्तर पर 20 सूत्री कार्यक्रम कार्यान्वयन समितिक बैसार नियमित आ निर्धारित समय पर करबाक निर्देश देल गेल। जिलाधिकारी दीपेश कुमार जिला मे चलि रहल विभिन्न योजनाक अद्यतन स्थिति सं प्रभारी मंत्री कें अवगत करौलनि। संगहि, निर्देशसभक अनुपालन सुनिश्चित करबाक लेल अधिकारीसभ कें आवश्यक दिशा-निर्देश देलनि।
बैसार मे विधायक संजय कुमार, विधायक गौतम कृष्ण, विधान परिषद सदस्य डॉ. अजय कुमार सिंह, डीडीसी गौरव कुमार सहित जिला स्तरक पदाधिकारी आ जनप्रतिनिधि उपस्थित छलाह।