17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
पटना। बिहारक किछु हिस्सा मे रुकि-रुकि कए बरखा भए’ रहल अछि, जखनकि कतेको दोसर जिलाक लोक गर्मी आ उमसक सामना कए रहल छथि। एहि बीच मौसिम विभाग सोमदिन 17 जिलाक लेल अलर्ट जारी कएलक अछि, जाहि मे तेज हवा, वज्रपात आ हल्का बरखाक चेतावनी देल गेल अछि। लोक कें सलाह देल गेल अछि जे खराब मौसिमक दौरान सतर्क रहथि आ जरूरी सावधानी बरतथि।
मौसिम विभागक दिस सं पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, शिवहर, सीतामढ़ी, मधुबनी, सुपौल, अररिया, किशनगंज, गोपालगंज, सारण, सिवान, बक्सर, भोजपुर, अरवल, औरंगाबाद, रोहतास आ कैमूर लेल चेतावनी जारी कएल गेल अछि। विभागक अनुसार एहि जिला सभ मे 30 सं 40 किलोमीटर प्रति घंटाक गति सं हवा चलि सकैत अछि। वज्रपातक संग हल्का बरखाक सेहो अनुमान अछि।
विभाग अगिला 72 घंटाक लेल मौसिम पूर्वानुमान जारी केने अछि, जाहि मे राज्यभरि मौसिमक स्थिति अलग-अलग रहबाक संभावना अछि। 15 सितंबर कें बिहारक करीब आधा हिस्सा लेल ‘येलो अलर्ट’ जारी कएल गेल छल, जाहि मे खास कए सीमांचल क्षेत्र मे बरखाक संभावना व्यक्त कएल गेल छल।
उत्तरी बिहार आ राज्यक दक्षिण-पूर्वी हिस्साक किछु ठाम हल्का बरखा भए’ सकैत अछि। 16 सितंबर कंि करीब पूरा राज्य लेल बरखाक चेतावनी जारी कएल गेल अछि। मात्र बक्सर, भोजपुर, अरवल, औरंगाबाद, रोहतास आ कैमूर मे मौसिम सामान्य रहबाक अनुमान अछि। बाकी जिला सभ मे तेज हवा चलबाक, वज्रपात आ हल्का बरखा होयबाक संभावना अछि।
बिहार मे सामान्य सं कम बरखा दर्ज कएल जा रहल अछि। मौसिम वैज्ञानिकसभक अनुसार बरखाक कमी केर कारण मध्य भारत मे बनल कम दबावक क्षेत्र अछि। मौसिम विशेषज्ञसभक अनुसार बरखाक गतिविधि मध्य भारत, दक्षिण-पूर्वी राजस्थान आ उत्तरी गुजरात दिस बढ़ि गेल अछि, जखनकि मानसून ट्रफ सेहो मध्य भारत सं गुजरि रहल अछि।
एहि परिस्थितिक कारण बिहार मे मानसूनक गतिविधि अपेक्षाकृत कमजोर रहल अछि, जाहि सं कतेको क्षेत्र मे छिटपुट हल्की बरखा मात्र भेल अछि। मौसिम विभागक कहब अछि जे कतेको जिला मे मौसिमक स्थिति सामान्य रहल।
रविदिन सब सं बेसी तापमान कैमूरक भभुआ मे 37.9 डिग्री सेल्सियस दर्ज कएल गेल, जखनकि सब सं कम तापमान अररियाक फारबिसगंज मे 24.4 डिग्री सेल्सियस रहल। पटना मे लोक कें गर्मी आ उमसक सामना करय पड़ल। राज्यक राजधानी मे मौसिम सामान्य रहल।
पटना लेल बरखाक कोनो विशेष अलर्ट जारी नहि कएल गेल अछि। हालांकि, अधिकारीसभक कहब अछि जे मौसिम मे अनचोके बदलाव सं किछु क्षेत्र मे तेज हवा संग हल्की बरखा भए’ सकैत अछि। खास कए अलर्ट बला जिला मे रहनिहार लोक कें सलाह देल गेल अछि जे अन्हर-बिहाड़िक दौरान सतर्क रहथि आ वज्रपातक समय खुलल स्थान पर जाय सं बचथि।