मुजफ्फरपुर, समदिया
मुजफ्फरपुर शहर मे पुलिस मसाज सेंटरक आड़ मे चलि रहल देह व्यापारक नेटवर्कक खुलासा केने अछि। गुप्त सूचनाक आधार पर पुलिस कंपनी बाग रोडक बड़ा करबला इलाका मे संचालित मसाज सेंटर पर छापामारी कए संचालिका समेत 6 महिला कें हिरासत मे लेने अछि। हिरासत मे लेल गेल सभ महिलाक उम्र करीब 25 सं 35 वर्षक बीच बताओल जा रहल अछि। सभ अलग-अलग थाना क्षेत्रक निवासी छथि।
पुलिस अधिकारीक अनुसार एहि मामिला मे व्हाट्सऐप चैट, फोन कॉलक विवरण आ बैंक खाता मे भेल लेन-देनक जांच कएल जा रहल अछि। संगहि हिरासत मे लेल गेल महिलाक आपराधिक इतिहासक सेहो पड़ताल भए रहल अछि। पुलिस एहि नेटवर्क सं जुड़ल मुख्य संचालक आ नियमित ग्राहकक संबंध मे जानकारी जुटा रहल अछि।
पुलिसक अनुसार एहि इलाका मे मसाज सेंटरक आड़ मे अनैतिक गतिविधि चलबाक शिकायत किछु समय सं भेटि रहल छल। शनिदिन मुजफ्फरपुरक एसएसपी कांतेश कुमार मिश्रक निर्देश पर विशेष टीम गठित कएल गेल। जिला सूचना इकाइ, महिला थाना आ नगर थाना पुलिसक संयुक्त टीम चिन्हित ठिकान पर अनचोके छापामारी केलक। कारबाइ सं ओतय अफरा-तफरी मचि गेल।
प्रारंभिक पूछताछ आ जांच मे पता चलल जे ग्राहक सं संपर्क करबाक लेल सोशल मीडिया, विशेष रूप सं व्हाट्सऐपक उपयोग कएल जाइत छल। व्हाट्सऐप चैट द्वारा महिलाक तस्वीर पठाओल जाइत छल आ दर तय भेलाक बाद सौदा पक्का कएल जाइत छल। पुलिस घटनास्थल सं 6 मोबाइल फोन जब्त केने अछि। कारबाइक बाद मसाज सेंटर कें सील कए देल गेल। वैज्ञानिक साक्ष्य जुटेबाक लेल एफएसएलक टीम कें सेहो घटनास्थल पर बजाओल गेल।
नगर थाना पुलिस जब्त मोबाइल फोन मे भेटल व्हाट्सऐप चैट, कॉल विवरण आ बैंक खाताक लेन-देनक जांच कए रहल अछि। पुलिसक कहब अछि जे जांच मे भेटल तथ्यक आधार पर एहि मामिला मे आगू आरो लोकक गिरफ्तारी भए सकैत अछि।